मिथिला हालचाल


 
विद्यार्थी आ राजनीति विषयपर वहस ,विद्यार्थीसभक मत दू भागमे विभाजित

JNK PRG2 

जनकपुरधाम, कात्तिक २४ ।एकीकृत नेकपा माओवादी निकट अखिल नेपाल राष्ट्रीय स्वतन्त्र विद्यार्थी युनियन क्रान्तिकारी धनुषा मंगलदिन जनकपुरक राराब क्याम्पसमे विद्यार्थी आ राजनीति विषयक जिल्ला स्तरीय वक्तृत्वकला प्रतियोगिता सम्पन्न कएलक अछि । 

युनियनक संयोजक विजय साहक अध्यक्षता तथा एकीकृत माओवादक धनुषा जिल्ला इन्चार्ज रोशन जनकपुरीक प्रमुख अतिथ्यमे भेल प्रतियोगितामे प्रतियोगीसभ विद्यार्थी जिवनमे राजनीतिक महत्व सम्बन्धमे अपन अपन धारणा रखलन्हि । प्रतियोगी सभमे किछु गोटे विद्यार्थीकेँ राजनीति सँ दुर रहबाक चाही कहलन्हि तऽ किछ गोटे राजनीतिक विद्यार्थी जिवनक अभिन्न अंगकेँ रुपमे व्याख्या कएलन्हि । प्रतियोगिसभमे सँ न्यू मिलिनियम क्याम्पसक पिन्टु झा प्रथम, राराब क्याम्पसक प्रकाश कोइराला द्वितिय, धुनषा साइन्स क्याम्पसक काजल प्रकाश तृतिय तथा एसएम क्याम्पसक रितेश कुमार झा चतुर्थ स्थान हासिल कएलन्हि । 

हुनका सभकँे डिक्सनरी सहितक पुरस्कार प्रदान कएल गेल । निर्णायक मण्डलक सदस्य तथा प्रमुख अतिथि जनकपुरी विजय प्रतियोगि सभकेँ पुरस्कार हस्तानान्तर कएलन्हि ।कार्यक्रममे अपन मन्तव्य रखैत विशिष्ट अतिथि तथा निर्णायक मण्डलक सदस्य डा. राजेन्द्र प्रसाद विमल विश्वक हरेक नीतिक जननी तथा आवरण राजनीति रहलाक कारण अहि सँ विमुख नहि रहल जा सकैया बतौलन्हि । शिक्षा नीति, अर्थ नीति, कृषि नीति, उद्योग नीति सहित हरेक नीति राजनीतिक अंश रहल हुनक कहब छलन्हि । तहिना इन्चार्ज जनकपुरी विद्यार्थीकेँ राजनीति करय चाही कहलन्हि । मुदा सहि आ गलत विचारकेँ छुट्याबय आ तकरबाद मात्र समर्थन अथवा विरोध करय चाही ओ कहलन्हि । देश चलाबय नेता उत्पादनक लेल सेहो विद्यार्थीए के आगा बढय परत हुनक कहब छलन्हि । कार्यक्रममे अखिल क्रान्तिकारी केन्द्रीय सदस्य महेश लाल यादव, विद्यार्थी नेता उमेश चौधरी, एकीकृत माओवादीक नगर संयोजक देवेश्वर लाल कर्ण, प्राध्यापक परमेश्वर कापड़ि सहितक मन्तव्य रखने रहथि ।  

जनचेतना मुलक रैली प्रदर्शन
BALBIBAH
महोत्तरी, कात्तिक २१ ।रतौली यूवा क्लव तथा केयर नेपालक साझेदारीमे सञ्चालित वालविवाह उन्मुलन समिति शनिदिन महोत्तरीक हरिरहपुर हरिनमरीमे वाड स्तरीय रैलीक आयोजना कएलक अछि ।
सदभावना पार्टीक प्रवक्ता तथा सभासद राम नरेश राय रैलीक उदघाटन कएलन्हि । रैलीमे स्थानीय नागरिक समाजक अगुवा, विद्यार्थी, साथी शिक्षक, बुद्धिजीवि, महिला, जातीय अगुवा, राजनीतिक दलक प्रतिनिधी, समितिक सदस्य सहितक सहभागिता रहल कार्यक्रम अधिकृत मुकुन्द ठाकुर बतौलन्हि । रैली पुरा वाड घुमि कऽ सभामे परिणत भेल छल । सभामे नारायण द्विवेदी वाल विवाह उन्मुलन आ सभक लेल शिक्षा पर जोड देने छलथि । तहिना समिति शनि दिन वाड नम्बर २ आ ३ मे सेहो जनचेतनामुलक रैली निकाल्ने छल ।
 
 
फेर आन्दोलनक आवश्यक्तापर जोड, एकीकृत माओवादीक आन्दोलन प्रति आपत्ति

sadabhawana 

महोत्तरी, कात्तिक २१ ।सदभावना पार्टीक प्रवक्ता तथा सभासद राम नरेश राय मधेशक अधिकारकँे स्थापित करबाक लेल अन्तिम आन्दोलनक आवश्यक्ता रहल बतौलन्हि अछि । मूदा तत्काले आन्दोलनक अवस्था नहि आएल हुक कहब छलन्हि । महोत्तरी जिल्लाक क्षेत्र नम्बर २ के हरिनमरीमे आयोजित क्षेत्रीय भेलामे प्रवक्ता राय मधेशक मुद्दा सँ सरकार विमुख भेल तऽ सरकार छोडि कऽ आन्दोलन करबाक बतौलन्हि । क्षेत्रीय अध्यक्ष प्रदिप यादवक अध्यक्षतामे भेल सभामे केन्द्रीय अनुशासन समितिक सचिव कामेश्वर झा, जिल्ला अध्यक्ष सुनील रोहित, संसदीय समितिक सदस्य रमण पाण्डे, महिला मञ्चक अध्यक्ष राधा कायस्थ, महासचिव निभा साह सहित जिल्ला स्तरीय नेतासभ मन्तव्य रखने रहथि । 

इम्हर सदभावना पार्टी धनुषाक क्षेत्र नम्बर ६ मे सेहो क्षेत्रीय सभाक आयोजन कएलक अछि ।सभामे केन्द्रीय महासचिव राम कुमार गुप्ता सरकार पारिवर्तनक लेल सडकपर हल्ला कऽ एकीकृत माओवादी अनेरे बखेडा कऽ रहल आरोप लगौलन्हि । ओ कहलन्हि – ‘नागरिक सर्वोच्चताक बात उठावयबला माओवादी सदन अवरुद्ध कऽ नागरिक सर्वोच्चातक हनन कएने अछि ।’ जिल्ला उपाध्यक्ष संजय सिंहक अध्यक्षतामे भेल सभामे केन्द्रीय सल्लाकार लाल किशोर साह, केन्द्रीय सदस्य राजेन्द्र प्रसाद, युवा मञ्चक अध्यक्ष जितेन्द्र चौधरी , इन्द्रकान्त झा, रमन सिंह सहितक मन्तव्य रखने रहथि । 

मुहपर पट्टी बान्हिकऽ जनकपुरमे  जुलुस , तीन हप्ताक लेल स्थानीय निकायक आन्दोलन स्थगित  

 
 
 
 

रोशनकुमार झा
जनकपुरधाम, पुस १२, विभिन्न माँग राखि आन्दोलनमे उतरल स्थानीय निकायक कर्मचारीसभ रवि दिन जनकपुरमे विरोध जुलुस प्रदर्शन कएलक अछि । मुहपर पट्टी बान्हि जनकपुर नगरपालिकाक प्राङ्गण सँ निकलल ओ जुलुस नगरक विभिन्न भागकेँ परिक्रममा करैत स्थानीय जनक चौकपर पहुँच सम्पन्न भेल छल ।जुलुसक सहभागि सभ विभिन्न ब्यानर सेहो लेने छल । जुलुसमे स्थानीय निकाय जनआन्दोल समितिक संयोजक ज्ञानेन्द्र देव नगरपालिका कर्मचारी एशोसिएसनक केन्द्रीय सदस्य प्रमेश झा , स्थानीय निकाय कर्मचारी संघ धनुषाक सल्लाहकार रामचन्द्र दास , जनकपुर नगरपालिकाक रंजिता झा सहित दर्जनो कर्मचारीकँे सहभागिता छल । आन्दोलनमे जिल्ला विकास समिति धनुषा , जनकपुर नगरपालिका आ गाविस कार्यालयक कर्मचारी सभकेँ सहभागिता छल ।
अहिबीच सरकार संग तीन बुन्दे सहमति भेलाक बाद स्थानीय निकायक कर्मचारीसभ तीन हप्ताक लेल आन्दोलन स्थगित कएलक अछि ।
सरकार माँग पुरा करबाक आश्वासन देलाक कारण आन्दोलन स्थगित कएल गेल कहैत कर्मचारीसभ तीन हप्ता भितर माँग पुरा नहि भेल तऽ अहु सँ कडा आन्दोलन करबाक चेतावनी देने अछि ।

  

 खैरबामे भव्य दाहा महोत्सव

जनकपुरधाम पुस १ ।महोत्तरी जिल्लाक खैरबा गाममे भव्य दाहा महोत्सव होबय जा रहल अछि ।१ सय ३० फिट लम्बा आ १६ फिट चौडा रहल दाहा एकरहिया गाविसक खैरबामे पुष १२ गते सँ शुरु हैत ।दाहा महोत्सवमे जमपुरी नाटक झुल्ला मौत कुवा खेल तमासा झरी लठि सहितक प्रदर्शन कएल जाएत । पुत्र प्राप्तीक ले कएने कबुला पुरा भेलाक बाद जिवछ साह दाहा बनबौने स्थानीय विजय कुमार साह जानकारी देलन्हि । 

संयुक्त सरकार प्रति एमालेक आपत्ति नहि ,एमाले नेतृत्वक लेल विवाद नहि करत :- महासेठ छात्रवृति प्रदान
chatra birti pardan
जनकपुरधाम, कात्तिक २८, नथुनी साह गंगा देवी स्मृति प्रतिष्ठान जनकपुर शनिदिन एक समारोह बीच हलुवाइ कानु जाति सँ एसएलसीमे उत्कृष्ट अंक अनने छात्र छात्राकँे छात्रवृति प्रदान कएलक अछि । प्रतिष्ठानक अध्यक्ष देव कुमारीक अध्यक्षता तथा  नेकपा एमाले सँ सभासद भेल उर्मिला साहक प्रमुख अतिथ्यमे भेल कार्यक्रममे २०६५ सालमे एसएलसी मे उत्कृष्ट अंक अनने एक गोटे छात्र आ एक गोटे छात्रा महावीर साह देव कुमारी छात्र वृति प्राप्त कएलन्हि । सम्मान प्राप्त कएनिहारमे तिलक प्रसाद साह आ पूजा कुमारीकेँ नगद एक हजार पाँच सय तथा सम्मानपत्र प्रदान कएल गेल । तहिना २०६४ सालमे उत्कृष्ट छात्र हेमन्त साह आ प्रिति गुप्ताकेँ सेहो छात्रवृति प्रदान कएल गेल । ओ  कार्यक्रममे सीताराम साह पार्वति देवी छात्रवृति सेहो प्रदान कएल गेल । राजेश्वर प्रसाद साह, प्रियंका गुप्ता आ गणेश कुमार साहकेँ नगद एकहजार आ सम्मानपत्र प्रदान कएल गेल । कार्यक्रममे प्रमुख अतिथि सभासद छात्रवृति सँ कानु हलुवाई समाजमे शिक्षाक विकासमे सहयोग प्राप्त होएबाक बतौलन्हि । कार्यक्रममे वरिष्ठ पत्रकार राजेश्वर नेपाली, दशरथ साह, विनोद साह, लाल बाबु साह, रमेश कुमार साह, डा. राधे राम साह सहितक मन्तव्य रखने छलथि ।

 

 
रेडियो नाटक सङोर सुरु  ,,सङोर, सङोर वन्हवाक विश्वास
sador janakpur
जनकपुरधाम, कात्तिक २८, रेडियो मिथिलामे शनिक साँझ साढे सात बजे सँ शुरु भेल मैथिली रेडियो नाटक सङोरकेँ एक कार्यक्रम बीच शुभारम्भ कएल गेल अछि । नयाँ संसार तथा सर्च फर कमन ग्राउण्डक निर्माण तथा अनिता चौधरी, रविन्द्र झा आ शुनिल यादवक संयुक्त लेखनमे तैयार कएल गेल ई नाटक ४० हप्ता धरि चलत । प्रेम बास्तोलाक निर्देशनमे भऽ रहल ओ नाटकमे जनकपुरक ख्याति प्राप्त रंगकर्मी सभ अभिनय कएने छथि । नाटक रेडियो मिथिला सहित पुर्वकेँ सुनसरी सँ पश्चिमकेँ पर्सा धरिकेँ विभिन्न ७ टा एफएम स्टेशन सँ एक्कै संग प्रसारण हैत । एक पुस्ता आ दोसर पुस्ता बीचक अन्तरकेँ कम कऽ कऽ सङोर बना नयाँ समाज निर्माणमेँ युवासभकेँ अहिंसात्मक ढंग सँ जुटय अभिप्रेरित करबाक उद्देश्य सँ नाटककेँ निर्माण कएल गेल अछि । तएँ वरिष्ठ साहित्यकार डा. राजेन्द्र प्रसाद विमल आ नवका पुस्ताक चर्चित नाट्य कर्मी स्मृति मिश्रा संयुक्त रुप सँ नाटककेँ शुभारम्भ कएलन्हि । ओहि अवसर पर प्रियंका झा सरिता साह आ राम नारायण ठाकुुर, नाटकक एकटा अंशकेँ छनिकाक रुपमे प्रस्तुत कएलन्हि । कार्यक्रममे वरिष्ठ साहित्यकार डा. विमल नयाँ संसार निर्माणक मिसन अनुरुप निर्माण भेल ई नाटक सफल होएबाक विश्वास व्यक्त कएलन्हि । ओ कहलन्हि– ‘जाति–पाति, वर्ण–लिङ्ग, रंग–क्षेत्र आदि विभिन्न अवरोधकेँ चिरलापर मात्र नयाँ उडान सम्भव अछि । आ अहि नयाँ  उडानक लेल ई नाटक प्लेटफर्म साबित हैत ।’ कमन ग्राउण्डक लेल राष्ट्रीयता आवश्यक रहल कहैत ओ प्रेम स्नेह आ अपनत्व सँ मात्र राष्ट्रीयता बन्धन मजबुत हैत बतौलन्हि ।
तहिना रेडियो मिथिला तथा मिथिला डटकमक प्रवन्ध निर्देशक गोपाल कुमार झा सङोर नाटक सभकेँ सङोर बना आगु बढयमे सहयोग करत बतौलन्हि । ओ अपने अहि नाटककेँ काठमाण्डूक हेड लाइन्स एण्ड म्युजिक एफएममे निःशुल्क प्रसारण करबाक बतौलन्हि । ओ ई नाटक समाजकेँ दिशा निर्देशन करबाक सेहो विश्वास व्यक्त कएलन्हि । कार्यक्रममे सर्च फर कमन ग्राउण्डक सेरेना रेक्स, मिनापक पूर्व अध्यक्ष सुनिल मिश्र, परमेश झा , अनिता चौधरी, स्मृति मिश्र सहितक बक्ता सभ वाजल रहथि ।


लाखो रुपैयाक खाध पक्राउ
जनकपुरधाम, कात्तिक २६, अवैध रुप सँ भारतसँ लाओल गेल लाखो मोल बरावरके खाद्य धनुषा पुलिस बुध राति पक्राउ कएलक अछि । ना ३ख ६८५१ नम्बरके ट्रक महेन्द्र राजमार्गमे खाद्य लऽ जा रहल समयमे पक्राउ काएल गेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनौलक अछि । ओ खाध सर्लाही जिल्लाक नाका भऽ कऽ आयल छल । पक्राउ कएल गेल समानकेँ वृहस्पति दिन जिल्ला भन्सार कार्यालय जनकपुरमे बुझाओल गेल अछि । मुदा पुलिसक जे टोली खाध पक्राउ कएने छल तेकर नाम जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा भन्सार कार्यालयमे नहि पठौलक अछि । आखिर खाद्य पक्राउ करयबला आ सुराकी देवयबला व्यक्तिकेँ नाम जिल्ला किए नहि पठौलक अछि रहस्यके विषय वनल अछि ।

BHELA UML 

जनकपुरधाम/ नेकपा एमालेक केन्द्रीय सदस्य रघुवीर महासेठ संयुक्त सरकार गठन भेल तऽ एमालेकँे कोनो आपति नहि रहल बतौलन्हि अछि । ओ संयुक्त सरकार हैत तऽ एमाले नेतृत्वक लेल विवाद सेहो नहि करत दावी कएलन्हि । नेकपा एमाले धनुषा–४ के असन्तुष्ट पक्षक क्षेत्रीय सभामे प्रमुख अतिथि महासेठ एमालेक प्रमुख मुद्दा संविधान निर्माण आ शान्ति स्थापना रहलाक कारण अहिकेँ लेल हरेक चिजकेँ त्याग करय तैयार रहल बतौलन्हि । क्षेत्रीय इन्चार्ज अवधेश पोखरेलक अध्यक्षतामे भेल क्षेत्रीय सभामे वैकल्पिक केन्द्रीय सदस्य योग नारायण यादव उग्रवाम पन्थि आ घोर दक्षिणपन्थिक दू विपरीत धारक एमाले मात्र संयोजन कऽ सकैया बतौलन्हि । ओ वर्तमान सरकार खसल तऽ देशक लेल दुर्भाग्य होएबाक सेहो चेतावनी देलन्हि । तहिना इन्चार्ज पोखरेल अखनुक अवस्थामे एमाले मात्र संविधान निर्माण करय सकत बतौलन्हि । मूदा पार्टी नेतृत्वक गुटवाजी नीतिक कारण पार्टी कमजोर भेल ओ स्वीकार कएलन्हि । पार्टी कार्यालय परिसरमे भेल सम्मेलनमे नेता रामचन्द्र मण्डल, हमिद अन्सारी, उर्मिला मिश्र, राम चरित्र साह सहितक मन्तव्य रखने रहथि । 

कृषक सभकेँ तालिम प्रदान ,विया उत्पादन सम्बन्धमे प्रशिक्षण देल गेल
DHANBALI 01
रोशनकुमार झा
जनकपुरधाम, कात्तिक २६ ।धनुषा जिल्लामे धानक विउ उत्पादन कऽ रहल अगुवा कृषक सभकेँ फरवार्ड नेपाल दू दिनक विउ विजन उत्पादन तथा व्यवस्थापन तालिम देलक अछि । जनकपुरक अधिकृत संगममे वुध आ वृहस्पति दिन भेल तालिममे क्षेत्रीय विउ विजन प्रयोगशाला हेटौडाक राम सागर मण्डल तथा हर्दिनाथ कृषि फारमक कृषि वैज्ञानिक सूर्य नारायण साह सहभागी सभकँे प्रशिक्षण देलन्हि । तहिना राष्ट्रीय विउ विजन कम्पनी जनकपुरक प्रमुख देवन्द्र कुमार साह कम्पनीक विउ प्रशोधन कारखानाक निरीक्षण अवलोकन करेबाक संगहि विउ प्रशोधन सम्बन्धि जानकारी सेहो देलन्हि । जिल्ला कृषि कार्यालय धनुषाक वागवानी विकास अधिकृत गौरी शंकर साह उदघाटन कएने तालिममे धनुषाक तीन तथा महोत्तरीक दू टा विउ उत्पादक कृषक समूहक २६ गोटे अगुवा कृषक सभक सहभागिता छल । कार्यक्रमक संयोजन फोरवार्ड नेपालक रण वहादुर राणाभाट तथा हरी प्रसाद साह कएलन्हि ।
अहिबीच वृहस्पति दिन सहभागि सभके फरवार्ड नेपाल द्वारा कएल गेल विउ वृद्धि कार्यक्रम अन्तर्गत फुलगामा गाविसक खडकामे लगाओल गेल वर्षे ३००४ तथा देवपुरा रुपैठा गाविसमे लगाओल गेल सुनोलो सुगन्धा धानक निरीक्षण सेहो कराओल गेल अछि । निरीक्षणक क्रममे प्रशिक्षकद्वय मण्डल तथा साह वागर धान कमाएक तरिका आ फाइदा सम्बन्धमे सहभागी सभकेँ प्रशिक्षण देलन्हि । विया पर कृषक सभकेँ आत्मनिर्भर कऽ वेसी उत्पादन लेवय फोरवार्ड नेपाल धनुषा महोत्तरी सहित मधेशक आन आन जिल्लामे विउ वृद्धि कार्यक्रम सञ्चालन कएने अछि ।
अव्यवस्थित मदरसा व्यवस्थापनक लेल छलफल
मदरसा बोर्ड गठनक माँग
MADARSA2
रोशनकुमार झा
जनकपुरधाम, कात्तिक २६ । धनुषा जिल्लाक विभिन्न स्थानमे अव्यवस्थित रुप सँ सञ्चालन भऽ रहल मदरसाक व्यवस्थापन सम्बन्धि छलफल बृहस्पति दिन जनकपुरमे सम्पन्न भेल अछि । जिल्ला शिक्षा कार्यालय तथा मुस्लिम समाज धनुषाक आयोजनामे भेल ओ कार्यक्रममे मदरसा सभक लेल जिल्ला स्तरीय शैक्षिक अभिमुखीकरण पर छलफल भेल छल । कार्यक्रममे मुस्लिम समाजक सलीम नदाफ मदरसा वोर्ड गठनक माँग कएलन्हि । तहिना मदरसाक लेल शिक्षक नियुक्ति माँग करैत नदाफ मदरसाकँे शिक्षक नियुक्तिक लेल लाइसेन्स माँगल जा रहल प्रति आपत्ती जनौलन्हि । मुस्लिम मोलवी सभकेँ लाइसेन्स माँगि मदरसामे सेहो गैर मुस्लिममे नियुक्त करबाक षडयन्त्र भऽ रहल हुनक आरोप छलन्हि ।
MADARSA1
तहिना मोलबी अतुल रहमान शिक्षा कार्यालय माफिया सभक अड्डा रहल आरोप लगबैत मदरसाक लेल आवयबला अनुदान लाभार्थीधरि नहि पहुँच रहल बतौलन्हि । तहिना शिक्षा कार्यालयक श्रोत व्यक्ति सुखचन्द्र लाल मदरसाक संरक्षण सम्बन्धमे वितल तीन वर्ष सँ चर्चा चलि रहल बतौलन्हि । ओ मदरसाक अनुदान तथा हरेक सेवा तथा सुविधा प्रदान करबाक सरकारक उद्देश्य रहल कहैत धनुषामे करिव ८५ टा मदरसाक दर्ता भऽ चुकल बतौलन्हि ।
इम्हर शिक्षा अधिकारी जिवछ पाण्डे मदरसाक लेल अलग नीतिक आवश्यक्ता रहल कहैत जल्दीए नीति निर्माण होएबाक आ सभकेँ समावेश करबाक प्रकृया चलि रहल बतौलन्हि । ओ शिक्षाक नैसर्गिक अधिकार सँ कियो बञ्चित नहि रहबाक चाही बतौलन्हि । ‘२०६५ – ०६६ मे मदरसाक लेल आएल रकम राहत शिक्षक दरबन्दी सम्बन्धमे मुद्दा परलाक कारण बँटाए नहि सकल अछि ।’ शिक्षा अधिकारी पाण्डे कहलन्हि –‘मुद्दा फैसला भेलाक बाद रकम बाँटल जाएत ।’ प्रमुख जिल्ला अधिकारी बेद बहादुर कार्कीक अध्यक्षतामे भेल कार्यक्रममे विभिन्न मुस्लिम संगठनक प्रतिनिधि तथा मुस्लिम अगुवा सभ सहभागि रहथि ।

 

50 Responses

  1. DEAR ALL
    ITS BETTER TO PUBLISH TERAINEPAL IN ENGLISH LANGUAGE RATHER THAN TO PUBLISH IT IN MAITHILI BECAUSE READERS WHO DOES’NT KNOW MAITILI ALSO CAN READ IT.

    • aa hunkar lel ki je maithili matr paidh sakai chaith.??????

  2. please change the news & topic due to i,every day see this website haveen up date aney new, news & topic so i reqwest for this please up date the new think i hope all of you can do it thanks

    sirha (nepal)
    now malaysia

    • maithili ye me likhab ne taiyo hum sab buijh jebai yo..!

  3. It will be really Great…if you could have an English Version…Of this website…!!
    Since….I live in Africa….we seem to have lost touch with Hindi…Language…..

    Keep up the good work
    Ray

  4. hey Deaqrs1 do not change this site in English or Nepali. it is site for teria nad most of the people live in teria understand maitili.
    but we should have option to slect in diffrent languages on home page of this site.

    good going dear site maker. but please do not inssit maithil ipwople to read, write and speak Hindi. encourrage maithili language and tradition internationally.

  5. ham harinandan chhi you ham qatar sa bat likha chhi you samechhar ta tik chh ya lekin pragram je yabai chh se nai tik chha you

  6. @ RAY….Mr Ray …..whoever fucking u r…let me tell u onething…there are so many newspapers and websites worldwide, those are using either local or national languages…so, tell me R u gonna change all those in english languge..
    Well, if this will be published in english version then what about our madheshis who very few understand english..the aim of this website mayn’t be to cover all world but first to our madheshis.

    I m staying in Qatar….Many newspapers here are in Arabic language, then could u please tell these qataris to pubslish those in English so that it could be easy for me to get through it…

    Jai madhesh
    Jai nepal

  7. OK THIK 6

  8. सबसे पहले सम्पूर्ण मिथलाबासीसबके हम परदेसी अंजानके तरफ से नमस्कार! या तराईनेपाल वेब चलाबवाला सम्पूर्ण संचालकसब के नमस्कार! यी मैथली गीत या हालचाल हम बिदेस में रहितो सुनैत या देखरहल छि ऐकेलेक हम अपना दिल से यहाँसबके बहुत-बहुत धन्यवाद दैछी येहेनेकर्के आबवाला दिनसबमें मिथिला संस्कृतिके पहिचान दैतरहब यी कहैत हम नमस्कार! करैछी………
    Email:- aanjanrbm@yahoo.com
    Address:- Doha,qatar

  9. सुवामा इसी प्रकार देर तक विनती करती रही। अकस्मात उसके चित्त पर अचेत करने वाले अनुराग का आक्रमण हुआ। उसकी आंखें बन्द हो गयीं और कान में ध्वनि आयी।

    • माता! आज बीस वर्ष से कोई मंगलवार ऐसा नहीं गया जबकि मैंने तुम्हारे चरणो पर सिर न झुकाया हो। एक दिन भी ऐसा नहीं गया जबकि मैंने तुम्हारे चरणों का ध्यान न किया हो। तुम जगतारिणी महारानी हो। तुम्हारी इतनी सेवा करने पर भी मेरे मन की अभिलाषा पूरी न हुई। मैं तुम्हें छोड़कर
      mdaasik@yahoo.com

  10. जिसमें अच्छी गुणवत्ता वाले लेख हों और जो अच्छा व्यवसाय भी कर सके, एक स्वप्न था मेरे लिये। परन्तु कुछ साल पहले तक इसके लिये तकनीक, यूनिव्हर्सल फॉंट, गूगल, याहू, एमएसएन जैसी शक्‍तिशाली सर्च इंजिनों का समर्थन आदि कुछ भी तो नहीं था।

  11. it is really great to see madhesh website.this can relly help to be all madheshi united.n i hope that it will really help madheshi to know about their society deeply so that they can be in touch with the news of their society

  12. this is realy great and prefect website for our al madeshi. i m so glad to read the news in Maithali about Mithala.
    just i wanna to say, keep it up and update the new news everyday…..

  13. BHUKH HARATAL KAHI HARTAL HO SAJH MA T KHANA KHAN PAIHALCHH THIK HAMRA NEPALI NETA HRU BHUKH HARATAL ,T FASI HARATAL , T RODMA SUTNE HARTAL MAILE DEKHEKO R SUNE KO THIYENA RAMRO HUMCHH HERNUS NEPAL MATA YE SABAI KURA HARU DEKHERA RUNCHH TO SABI DES VITR KO JANAT HARU LAI PARCHH OK HI HI HI HI HU HU HU HU

  14. ai website k english version seho banau aa update seho jaldi jaldi karait rahu..!suv kamna aaich!!

  15. jay mdhesh

    I am very happy with this news & we will be caloce iin nepal with ech other

    Molim

  16. wel come http://www.tnepal.com me aha sahbki shuagat chai hum log bidesha me rahik ki vi apna mithla ki news dihkya chai or sonyai chi tnepal.com ka sab adivavk shab ki thanx or hamra mitla ki news dikhabi hum bahot khuse chi ki ajj pardi me rhaik ki vi jankpur dham all nepal ka news dihkyai chi
    MOHAMD AKTHAR HASMI
    DHANUSHA NEPAL HALLL CHI
    LONDON (UK) ENATID KING
    DOM I LOVE JANKPUR
    MY EMALI HASMI_786@YAHOO.COM SALAM CHI ADIVABK SHAB KAI KI AJJ HUM (UK) CHI LAKIN HAMRA LAGYI CAI KI HUM APNA JANKPUR DHAM CHI E TNEPAL.COM SE I LOVE TNEPAL.COM JAI NEPAL JAI MITHLA BASE

  17. HUM 1MUSLMAN CHI LAKIN HUM RA DIL ME APNA METLA KI LIYA JAAN DILA VI TYAR HO BAI AJJ HUM JITNA VI METHLA BASE SAB (UK)ME CHI SAB LOG E TNEPALI.COM SE BAHOT KHUSE CHAI AHA SHAB
    1 HUMAR SHUJAB CHAI KI KAVI VI TNEPAL.COM KI WEB SADE BAND NYAI KARBIYAI
    MOHAMD AKTHAR HASMI (UK) LONDON
    EMALI= HASMI_786@YAHOO.COM
    EMALI= OM_974@YAHOO.COM
    OR FAX NO 004452145683
    OR MOI NO 00448595625415 OK BEYY GOOD LOC GOOD BEY HAI NEPALI DAJU VAI T THA DIDI VHANI HARO HAI

  18. HELLO HAI METHLA BASE NAMSKAR CHAI HUMRA TARF SE

  19. yaha sabke hamaro or sa dhanyavad ki taraike lela ekta site banaili leki ai me kono Janakpurke fm seho live me raikhaditita hamara sabke bahuta khusi lagatai
    Krishna Yadav Doha,Qatar

  20. hi,
    it is really great to see madhesh website.this can relly help to be all madheshi united(nepal) i hope that it will really help madheshi to know about their society deeply so that they can be in touch with the news of their society always, right now i am from CANADA . MY home is JANAKPUR.

  21. tnepal.com.hum.sab.avari.chhi.mithala samachar

  22. tnepal.com ke hamara sab sathike traf se bahut bahut dhanywad hum sab avri rahb ki hum sab mithala basi ke traf se bahut dh e hai hara sab ke subh kamana chhai

    pradeshi mukesh kumar sah

    doha qatar new wakra

    kabilasha mahottry nepal

  23. pradeshi mo rashid ansari

    saptari

  24. santi santi santi santi santi santi santi santi ham ehe kamna karai chhi ki sampurna nepali ke santi milai aur
    asanti ke thekedar sab ke bhagau

  25. Bahut aniya nesws chaiin lekin kucha mithla bachabee lel seho budijibi karykarma gau gaume jake rod naka ur ja chetna seho agar thau thau me del jau yi website ke sabse adik dimand hot sathme prchar seho hayat bahut baniya web site chathin ur dosar ki chae madeshi ya pahadi sab se pahle ham sab nepali weke bad ham madeshi ya pahari ur nepal me rehke nepal nee maya kareechi nepalipan nee banee che bahut duk ke bat cheee priy mithla basi yee deku indin sab ki baybahar kareey hamra boder par u kono pahadi nee duk deey sab madeshi ke duk deey teelak ham nepali been k samast nepal ke surcha kayal jau wehe binti chee apne sabke nepal me reehke biharipan ke laxchan nee dekau please. hamar priy mithla basi sab.jay nepal jay ram janki mai ki jay ho okby…………/////////

    kamal kumar yadav
    qatar
    Email-kamalyadav99@yahoo.com

  26. huna sakchha bhane daily news rakhnu hola aru sab thik chha ..

  27. hamara bar khusi bhel ki tarai me tnepal ke site aichch hamar ago sallah aichch ki taja news diyou ki purana news sab parah ke mannai hoi chchai jay madhes

  28. im Ram Narayan Ray janakpur nepal nw K.s.a. Riyadh im e-mail ramnepali10@yahoo.com

  29. ai news sab ke kichch change kara ke kasta kariyou jay madhesh

  30. hello.mithla.thak.you.mithla

  31. jankpur ke taja news kiyakne dechhye ek war ralway ke t deyo

  32. WHY NOT YOU GIVE NEWS OF THE JANAKPUR

  33. HI,
    It is really great to see madhesh website.This can relly help to be all madheshi. I hope that it will really help madheshi to know about their society deeply so that they can be in touch with the news of their society always, right now i am from DOHA (QATAR).My home is JANAKPUR DHAM

  34. yes its very nice every maithil this is proud for we

  35. hello dinesh uncle plz contact me

  36. im Ram Narayan Ray (k.s.a.) Riyadh tequ tnepal

  37. Hi this Is Sukhi from Doha Qatar.

  38. Ram Narayan Ray satosr dhanusa janakpur nepal hal saudi Arabia Riyadh tequ tarae nepal wabsaed gud news

  39. aro bahut samachar janakpurak barema suna chahai chhi breaking news sab kiipls aro bahut samachar sab rakhu ki re

  40. I am very happy to know about Tnepal.com. We the people forced to work in Gulf due to umemployment has a different feeling regarding this. “Warm Welcome'” to all of the members of Tnepal & the people living in Terai.
    Can any one tell me what is the Fare for KTM – RJB?

    Once again thanks to all of the members of TNepal.

    Regards,
    Md. Akwal

  41. I ‘m very Happy with Tnepal and Mathily Privar. so we also have most populer sites on the net in network
    Becouse this site is very usefull for all of nepalis who is living out of nepal (in forgen contry) inportatnly all of Madhesi basi so i ‘m very happy therefor i wan’t to give ((( thanks”Dhanybad”))) to all of my members of Tnepal and all of ((( SHUBH CHINTAK ))) of Tnepal.
    at last i wan’t to one requset to my members of Tnepal my Name is MD SAHAMUL VILLAGE HARIRAHA POST PATO BAZAR WARD NO. 6 SAPTARI NEPAL I ‘m living in QATAR now so please publish the some important of news os saptari in all of days. ok Thanks. by…………………………………………….MD SAHABUL AZMI HARIRAHA SAPTARI NEPAL hall DOHA QATAR
    E-mail”” md_sahbul@yahoo.com
    mdsahbul@gmail.com

  42. hello,
    i very very happy and enjoy for madhesh website it is really greate news for this webdite.really ……….,
    i like to thanks tnepal.com all members…
    now malaysia
    my home town .. dhanusha,akarahi-1 janakpur dham nepal

  43. nice day today for NOORJAHAN

  44. HI LOVELY KAISA HAI

  45. hi am om prakas from nepal i like thise news thank you

  46. hello ji dhanyabadh bhel yi samachar sabahak lel.bahut achha baat chhai.apana mithila ke aagu badhab ke lel koshish karu.jay mithila. jay janakpur. jay shree ram. baba janak ke pabitra dham janakpur. ati sundar.

  47. hello sir why not post the leastet news in main page……….and terai madhesh news…………………..

Leave a Reply

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / Change )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / Change )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / Change )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / Change )

Connecting to %s

Follow

Get every new post delivered to your Inbox.

%d bloggers like this: