• सम्पर्क :-

    घर गाउँ देशभित्र बाहिरका कुनै पनि खबर ,सामाग्री प्रकाशित गराउनको निम्ति हामीलाई सम्झनुहोस । ईमेल : - news@tnepal.com साथै मधेश को समाचार , कथा, कविता, लेख , मनोबाद तथा जिबनी पठाउनु होस् । ईमेल : - news@tnepal.com साथै यो Website मा Advertisements गर्नु परेमा सम्पर्क गर्नु होला । ईमेल : - editer@tnepal.com
  • Page Visit

  • धेरैले पढेको

  • Tnepal News

  • Tnepalnews

  • Page Rank

    Check Page Rank

रेडियो नाटक सङोर सुरु

सङोर, सङोर वन्हवाक विश्वास

sador janakpur

रोशनकुमार झा

जनकपुरधाम, कात्तिक २८, रेडियो मिथिलामे शनिक साँझ साढे सात बजे सँ शुरु भेल मैथिली रेडियो नाटक सङोरकेँ एक कार्यक्रम बीच शुभारम्भ कएल गेल अछि । नयाँ संसार तथा सर्च फर कमन ग्राउण्डक निर्माण तथा अनिता चौधरी, रविन्द्र झा आ शुनिल यादवक संयुक्त लेखनमे तैयार कएल गेल ई नाटक ४० हप्ता धरि चलत । प्रेम बास्तोलाक निर्देशनमे भऽ रहल ओ नाटकमे जनकपुरक ख्याति प्राप्त रंगकर्मी सभ अभिनय कएने छथि । नाटक रेडियो मिथिला सहित पुर्वकेँ सुनसरी सँ पश्चिमकेँ पर्सा धरिकेँ विभिन्न ७ टा एफएम स्टेशन सँ एक्कै संग प्रसारण हैत । एक पुस्ता आ दोसर पुस्ता बीचक अन्तरकेँ कम कऽ कऽ सङोर बना नयाँ समाज निर्माणमेँ युवासभकेँ अहिंसात्मक ढंग सँ जुटय अभिप्रेरित करबाक उद्देश्य सँ नाटककेँ निर्माण कएल गेल अछि । तएँ वरिष्ठ साहित्यकार डा. राजेन्द्र प्रसाद विमल आ नवका पुस्ताक चर्चित नाट्य कर्मी स्मृति मिश्रा संयुक्त रुप सँ नाटककेँ शुभारम्भ कएलन्हि । ओहि अवसर पर प्रियंका झा सरिता साह आ राम नारायण ठाकुुर, नाटकक एकटा अंशकेँ छनिकाक रुपमे प्रस्तुत कएलन्हि । कार्यक्रममे वरिष्ठ साहित्यकार डा. विमल नयाँ संसार निर्माणक मिसन अनुरुप निर्माण भेल ई नाटक सफल होएबाक विश्वास व्यक्त कएलन्हि । ओ कहलन्हि– ‘जाति–पाति, वर्ण–लिङ्ग, रंग–क्षेत्र आदि विभिन्न अवरोधकेँ चिरलापर मात्र नयाँ उडान सम्भव अछि । आ अहि नयाँ  उडानक लेल ई नाटक प्लेटफर्म साबित हैत ।’ कमन ग्राउण्डक लेल राष्ट्रीयता आवश्यक रहल कहैत ओ प्रेम स्नेह आ अपनत्व सँ मात्र राष्ट्रीयता बन्धन मजबुत हैत बतौलन्हि ।
 तहिना रेडियो मिथिला तथा मिथिला डटकमक प्रवन्ध निर्देशक गोपाल कुमार झा सङोर नाटक सभकेँ सङोर बना आगु बढयमे सहयोग करत बतौलन्हि । ओ अपने अहि नाटककेँ काठमाण्डूक हेड लाइन्स एण्ड म्युजिक एफएममे निःशुल्क प्रसारण करबाक बतौलन्हि । ओ ई नाटक समाजकेँ दिशा निर्देशन करबाक सेहो विश्वास व्यक्त कएलन्हि । कार्यक्रममे सर्च फर कमन ग्राउण्डक सेरेना रेक्स, मिनापक पूर्व अध्यक्ष सुनिल मिश्र, परमेश झा , अनिता चौधरी, स्मृति मिश्र सहितक बक्ता सभ वाजल रहथि ।

Advertisements

2 Responses

  1. oh so nice dear

  2. badhai ho tapai harulai
    bahut khub

जवाफ लेख्नुहोस्

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / बदल्नुहोस )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / बदल्नुहोस )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / बदल्नुहोस )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / बदल्नुहोस )

%d bloggers like this: