• सम्पर्क :-

    घर गाउँ देशभित्र बाहिरका कुनै पनि खबर ,सामाग्री प्रकाशित गराउनको निम्ति हामीलाई सम्झनुहोस । ईमेल : - news@tnepal.com साथै मधेश को समाचार , कथा, कविता, लेख , मनोबाद तथा जिबनी पठाउनु होस् । ईमेल : - news@tnepal.com साथै यो Website मा Advertisements गर्नु परेमा सम्पर्क गर्नु होला । ईमेल : - editer@tnepal.com
  • Page Visit

  • धेरैले पढेको

  • Tnepal News

    Error: Twitter did not respond. Please wait a few minutes and refresh this page.

  • Tnepalnews

  • Page Rank

    Check Page Rank

माओक एक सय १७ हम जयन्ति मनाओल गेल

माओक विचार अखनो सान्दर्भिक रहल वक्तासभक कहब

रोशनकुमार झा
जनकपुरधाम, पुस ११, एकीकृत नेकपा माओवादी धनुषाक इन्चार्ज रोशन जनकपुरी, मधेशवादी पार्टीसभ भारतीय दलाल रहल आरोप लगौलन्हि अछि । ओ मधेशकेँ भ्रमित करबाक लेल मधेशवादी पार्टीसभकेँ नियोजित रुपमे जन्म देल गेल दावी कएलन्हि ।
वाम आन्दोलनक महान योद्धा मओत्सेतुङ्गक एक सय १७ अम जयन्तीक अवसरमे राष्ट्रीय जनजागरण कार्यक्रम अन्तर्गत माओक विचारसभक सान्दर्भिकता विषयक विचार गोष्ठीमे प्रमुख अतिथि इन्चार्ज जनकपुरी मधेशक सीमा अतिक्रमण भऽ रहल होइतो अहि सम्बन्धमे मधेशवादी दलसभ नहि बाजि रहल एकर प्रमाण रहल बतौलन्हि ।
एकीकृत माओवादीक मिथिला राज्य समिति सदस्य प्रमोद कुमार कर्णक अध्यक्षतामे भेल विचार गोष्ठीमे जनकपुरी नेपालक सभ सँ बडका समस्या भारतीय विस्तारवाद रहल अभिव्यक्ति जायज रहल बतौलन्हि । ओ नेपालक क्रान्तिमे माओक सिद्धान्त सभ सँ बडका भुमिका निर्वाह कएने वतौलन्हि । कार्यक्रममे नेकपा एमालेक नेता शीतल झा विश्वक सर्वहाराक मुक्तिक लेल माओ देने योगदानकेँ प्रशंसा कएलन्हि ।
तहिना एमालेक नेता रामहृदय प्रसाद माओक विचार अखनो के समयमे सान्दर्भिक रहल बतौलन्हि । नेता एकीकृत माओवादीक मिथिला राज्य समिति सदस्य गौतम ढुंगेल नेपालक क्रान्तिमे माओक विचार मार्गदर्शन रहल बतौलन्हि । कार्यक्रममे विद्यार्थी नेता उमेश चौधरी , मजुदर नेता नन्द कुमार झा, सहितक माओक विचार आ नेपालक क्रान्ति सम्बन्धमे अपन अपन विचार रखलन्हि । अहिबीच जन्म जयन्तीक अवसरपर धनुषाक क्षेत्र नं. ६ मे एकीकृत माओवादी कार्यकर्ता भेल सम्पन्न कएलक अछि ।
एकीकृत माओवादीक क्षेत्र नम्बर ६ क सेक्रटरी परशुराम साहक अध्यक्षतामे भेल कार्यक्रमक प्रमुख अतिथि एकीकृत माओवादी धनुषाक सह इन्चार्ज झल्कु यादव छलथि ।

TNepal Headline News

↑ Grab this Headline Animator

जवाफ लेख्नुहोस्

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / Change )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / Change )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / Change )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / Change )

%d bloggers like this: