राजनीतिक संरक्षणमे अपराध

अपराधीके कारबाई करबाक मातृकाक माँग

जनकपुरधाम पुस १७ – नेकपा माओवादीक संयोजक मातृका प्रसाद यादव राजनीतिक दलक संरक्षणमे अपराध भऽ रहल बात प्रष्ट भेल बतौलन्हि अछि ।ओ अपने बेर बेर कहैत आएल सन्दर्भके उल्लेख करैत एमाले नेता रामचन्द्र झाक पछिला अभिव्यक्ति अहि के पुष्टि कएने बतौलन्हि ।जनकपुरमे शुक्रदिन आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे संयोजक यादव एमाले नेता योगनारायण यादव रघुवीर महासेठ आ प्रहरी सहायक निरीक्षक नागेन्द्र यादव धनुषामे अपराध बढौने आरोप लागौलन्हि । अहि सँ पूर्व एमाले नेता रामचन्द्र झा सेहो तीनू गोटेपर अपराध आ अपराधीके बढाबा देने आरोप लगौने छलथि । पत्रकार सम्मेलनमे संयोजक यादव हुनका सभपर कानूनी कारबाई करबाक सेहो माँग कएने छलथि ।

 इम्हर वृत्ततर जनकपुर क्षेत्र विकास परिषदद्वारा विगतमे भेल आर्थिक अनियमितता तथा भ्रष्टाचारकें छानविन करबाक लेल गठित समतिक संयोजक सेहो रहल यादव वृहत्तरक सम्पूण डकुमेन्टक प्रतिलिपि प्राप्त भऽ चुकल आ ओकर अध्ययन भऽ रहल बतौलन्हि । ओ कोनो अपराधी अथवा भ्रष्टाचारीके नहि छोडल जएबाक प्रतिबद्धा व्यक्त कएलन्हि । ओ बहुत जल्दिए छानविनक प्रतिवेदन सार्वजनिक करबाक आ दोषीके कानुनके घेरामे अनवाक बतौलन्हि ।

अहिबीच एक अन्य प्रसङ्गमे नेता यादव अपन वक्तव्यके तोडि मरोडिक साचार माध्यमसभ प्रस्तुत कएने प्रति आपति जनौलन्हि अछि । राजधानीक रिपोर्टस क्लबमे सशस्त्र युद्ध करबाक यादव चेतावनी देने रहथि । इम्हर यादव अपने राज्यक रवैया एशने रहल तऽ ओकर लाठी आ बन्दुक छिन कऽ ओकरा प्रतिकार करबाक अभिव्यक्ति देने बतौलन्हि । अखन पार्टीके सशस्त्र युद्ध करबाक कोनो नीति नहि रहल ओ प्रष्ट कएलन्हि ।

जवाफ लेख्नुहोस्

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / Change )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / Change )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / Change )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / Change )

%d bloggers like this: