• सम्पर्क :-

    घर गाउँ देशभित्र बाहिरका कुनै पनि खबर ,सामाग्री प्रकाशित गराउनको निम्ति हामीलाई सम्झनुहोस । ईमेल : - news@tnepal.com साथै मधेश को समाचार , कथा, कविता, लेख , मनोबाद तथा जिबनी पठाउनु होस् । ईमेल : - news@tnepal.com साथै यो Website मा Advertisements गर्नु परेमा सम्पर्क गर्नु होला । ईमेल : - editer@tnepal.com
  • Page Visit

  • धेरैले पढेको

  • Tnepal News

  • Tnepalnews

  • Page Rank

    Check Page Rank

डा. धीरेन्द्रकेँ जनकपुरमे स्मरण कएल गेल

अप्रकाशित कृतिकेँ प्रकाशित करबाक मिनापक घोषणा
जनकपुरधाम पुस २५ -मैथिली भाषा साहित्यक अग्रणी स्रष्टा डा. धीरेन्द्र एकटा व्यक्ति नहि भऽ संस्था रहल एक कार्यक्रममे वक्तासभ बतौलन्हि अछि । डा. धीरेन्द्र साहित्यिक व्यक्तित्व मात्र नहि भऽ साहित्यकार उत्पादक कुशल प्राध्यापक कुशल कलाकार अगुवा तथा महादेवक अवतार रहल हुनक सभक कहब छलन्हि । डा. धीरेन्द्रक छठम पुण्य तिथिक अवसरपर मिथिला नाट्यकला परिषद मिनापद्वारा शनिदिन जनकपुरमे आयोजित एक कार्यक्रममे प्रमुख अतिथि साहित्यकर डा. रेवती रमण लाल डा. धीरेन्द्रक कृतित्व आ व्यक्तित्व अतुलनीय रहल बतौलन्हि । ओ डा. धिरेन्द्र मैथिली भाषा साहित्य आ संस्कृतिक पुनरुत्थानमे देने योगदान सदैव पुज्जनीय रहल उल्लेख कएलन्हि । हुनक सनिध्यमे साहित्यक सृजना शुरु कएने उल्लेख करैत ओ कहलन्हि- ु ओ जे अमुल्य निधी छोडि कऽ गेल छथि ओिहंके संयोगि कऽ रखनाइ अपनसभक कर्तव्य अछि ।

कार्यक्रममे मिनापक संस्थापक अध्यक्ष सुरर्शन लाल कर्ण डा. धीरेन्द्रक अगुवाइमे मिनापक स्थापना भेल कहैत हुनका सनक अभियानी पुरुष आन दोसर नहि देखने बतौलन्हि ।तहिना साहित्यकार रमेश राजन जनकपुर नहि छोडतथि तऽ डा. धीरेन्द्र अखन जिवते रहितथि बतौलन्हि । हुनक अनुसार डा. धीरेन्द्रक आत्मा जनकपुरमे बसोवास करितो हुनक शरीर हुनक जन्म भूमिमे रहला सँ असमयमे हुनक देहावसान भेल दावी कएलन्हि । तहिना प्राध्यापक परमेश्वर कापडि डा. धीरेन्द्र कुशल कलाकार रहल कहैत हुनक कुशलता सम्बन्धमे चर्चा कएलन्हि । हुनक अनुसार डा. धीरेन्द्र पहुँचल तान्त्रिक सेहो छलाह । कार्यक्रममे मिनापक प्रकाश प्रेमी धनश्याम मिश्र पत्रकार राजेश कर्ण रामअशिष यादव सुजीत कुमार झा धैर्यकान्त दत्त रोशन कुमार झा सहितक मन्तव्य रखने रहथि ।

कार्यक्रमक अध्यक्ष तथा मिनापक महासचिव अनील चन्द्र झा जल्दीए डा. धीरेन्द्रक अप्रकाशित कृति सभके प्रकाशन करबाक घोषणा कएलन्हि । कृति सभके रमेश राजन सम्पादन करताह । तहिना साहित्यकार भुवनेश्वर पाथेय आ सुन्दर झा शास्त्रीक स्मृति दिवस सेहो मनेवाक ओ घोषण कएलन्हि 

जवाफ लेख्नुहोस्

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / Change )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / Change )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / Change )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / Change )

%d bloggers like this: