जनकपुधारम पुस २६ – जनकपुर नगरपालिका -१६ कपिलेश्वरक हरदिनाथ महादेव मन्दिरक प्राङ्गणमे शनिदिन सँ ६ दिवसीय हनुमान झण्डा मेला शुरु भेल अछि । मेलाक पहिल दिन हजारो व्यक्तिक भिड लागल छल ।१ सय २० फिटक ओ झण्डा स्थानीयवासीक सहयोगमे निर्माण भेल अछि ।हनुमान झण्डा मेला समितिक अध्यक्ष रमेश मण्डलक अनुसार मेलामे कोना श्रद्धालु भक्तजनकेँ वेसी सँ वेसी आनल जाए ताहिकेँ विशेष प्रयास कएल गेल अछि । समान सेहो किन सकैत अछि तऽ मनोराजनात्मक कार्यक्रमक सेहो व्यवस्था काएल गेल अछि ओ कहलन्हि ।
ओ झण्डाककेँ शनिदिन एक समारोह बीच भौतिक योजना तथा निर्माण राज्य मन्त्री संजय कुमार साह उदघाटन कएलन्हि । ओ अवसरपर वजैत राज्यमन्त्री साह संविधान निर्माणक काज शीघ्र शुरु हुएँ ताहि लेल हनुमान जीके बल देवाक लेल आग्रह कएलन्हि । ओ कपिलेश्वरकेँ मात्र नहि जनकपुरकेँ दु वर्षमे परिवर्तन कऽ कऽ देखाएब प्रतिवद्धता व्यक्त कएलन्हि ।दोसर प्रसंगमे ओ मधेशीकँे नजर अन्दाज कएल गेल तऽ फेर सँ आन्दोलन हैत आ ओ आन्दोलन सम्पूर्ण देशक लेल बड।sा दुर्घटना हैत चेतावनी देलन्हि ।
आब मधेशी अपना अधिकारके लेल सजग भऽ गेल अछि हुनक कथन छलन्हि । ओ अवसर पर धनुषाक प्रमुख जिल्ला अधिकारी वेद वहादुर कार्की नेपाली काँग्रेस जनकपुर नगर कमिटीक अध्यक्ष हरिशंकर प्रसाद साह मधेशी जनअधिकार फोरमक उपाध्यक्ष रामविनोद यादव एमालेक शम्भु पासवान विरेन्द्र लाल कर्ण कपिलेश्वरक पूर्व वार्ड अध्यक्ष रामचन्द्र पजियार कामेश्वर मण्डल विजय चौधरी सदभावना आनन्दी देवीक अवेजुर रहमान सहितक वक्तासभ बाजल रहथि ।उदघाटन सँ पूर्व जनकपुरमे कलश यात्रा निकालल गेल छल । ११ सय महिला जनकपुरक प्रसिद्ध गंगासागर पोखरि सँ जल भरि झण्डा स्थल पहुँचल छल । हजारौ व्यक्तिकेँ सहभागिता रहल ओ कलश यात्रा क्रममे २५ टा ट्रेक्टर पर सेहो लोकसभ भरल छल ।
Filed under: तराई नेपाल |
जवाफ लेख्नुहोस्