मिनापक नाटक अभियान शुरु

रोशनकुमार झा
जनकपुरधाम, माघ २८, हमर अहाँक समाजमे जनचेतना जगेवाक उद्देश्य सँ मिथिला नाटय कला परिषद वृहस्पतिदिन सँ ‘बदलत हमर गाम’ नामक सडक नाटक अभियान शुरु कएलक अछि । जनकपुरक जानकी मन्दिरक प्राङ्गण सँ शुरु भेल ओ सडक नाटकक अभियान मधेशक ५ जिल्लामे प्रस्तुत कएल जाएत मिनापक महासचिव अनिलचन्द्र झा जानकारी देलन्हि अछि । धनुषा, महोत्तरी, सर्लाही, सिरहा आ सप्तरी जिल्लाक विभिन्न स्थानमे सरसफाइ, पानिक समस्या आ ओकर समाधानपर केन्द्रीत रहल ओ सडक नाटक प्रस्तुत कएल जाएत । फन्डबोर्डक सहयोग सँ मिनापक प्रस्तुतिमे शुरु भेल बदलत हमर गाम नाटकमे वरिष्ठ नाटयकर्मी रमेश रंजन झा, मदन ठाकुर, रामनारायण ठाकुर, प्रमेश झा, घनश्याम मिश्र, इन्द्रेश मिश्र, रामकैलाश ठाकुर, विष्णु कान्त मिश्र, गंगाकान्त झा, रंजु झा, अनिता रानी, रिना रिमाल सहितक अभिनय रहल अछि । गाम समाजमे रहल विभिन्न कुतत्व विचारसभकेँ परिवर्तन कऽ साकारात्मक आ उन्नत समाजक निर्माणमे सभकेँ एक भऽ लगवाक चाही नाटकक मूल उद्देश्य रहल अछि ।
Advertisements

जवाफ लेख्नुहोस्

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / बदल्नुहोस )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / बदल्नुहोस )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / बदल्नुहोस )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / बदल्नुहोस )

%d bloggers like this: