• सम्पर्क :-

    घर गाउँ देशभित्र बाहिरका कुनै पनि खबर ,सामाग्री प्रकाशित गराउनको निम्ति हामीलाई सम्झनुहोस । ईमेल : - news@tnepal.com साथै मधेश को समाचार , कथा, कविता, लेख , मनोबाद तथा जिबनी पठाउनु होस् । ईमेल : - news@tnepal.com साथै यो Website मा Advertisements गर्नु परेमा सम्पर्क गर्नु होला । ईमेल : - editer@tnepal.com
  • Page Visit

  • धेरैले पढेको

  • Tnepal News

  • Tnepalnews

  • Page Rank

    Check Page Rank

होरी महोत्सव सम्पन्न, होरैयाक ताल पर दर्शक झुमि उठल

रोशन कुमार झा, जनकपुरधाम, फागुन १५ – होरी सँ सम्बन्धित लोक गायन आ परम्पराक बढावयकेँ उदेश्य सँ जनकपुरमे शनिदिन आयोजित होरी महोत्सवमे होरैया सभ दर्शक सभके भरपुर मनोरञ्जन करौलन्हि अछि ।mm
होरैयासभक होरी गायन सँ वातावरण गुञ्जयायमान भेल छल ।
होरैया सभक तालपर उपस्थित दर्शक सभ झुमिझुमि कऽ नाचल छल ।


मिथिला नाट्यकला परिषद, पब्लिक युथ क्याम्पस, रामानन्द यूवा क्लब सहित विभिन्न ७ टा संस्थासभक संयुक्त अयोजनामे भेल प्रतियोगितात्मक होरी महोत्सवमे विभिन्न ७ टा गायक होरैया टिमक सहभागिता छल ।
मिनापक अध्यक्ष सुनील मल्लिकक अध्यक्षता तथा नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानक सदस्य रामभरोष कापड़ि भ्रमरक प्रमुख आतिथ्यमे भेल महोत्सवमे बेला, पण्डित टोल कटैया, झोंझी , गिद्धा बेलापट्टी, देउरी, बभनगामा आ परबाहा टिमक सहभागिता छल ।
प्रतियोगितामे बेला प्रथम, पण्डित टोल कटैया द्वितीय, आ गिद्धा बेलापट्टी तृतीय स्थान प्राप्त कएने अछि । तहिना झोझी सान्त्वना पुरस्कार प्राप्त कएने छल ।


गाम गामे होरी गायनक परम्परा कम होइत गेल अछि , मिनापक अध्यक्ष सुनील मल्लिक कहलन्हि ‘ओहि परम्पराके विकास संरक्षणक लेल होरी महोत्सवकेँ आयोजन कएल गेल अछि । ओ अहिबेर व्यवस्थापन कमजोर भेलाक कारण महोत्सव अपेक्षित रुपमे आगु बढय नहि सकल होइतो अगिलाबेर सँ आओर नीक जकाँ अयोजन करबाक बतौलन्हि ।
तहिना प्रमुख अतिथि प्राज्ञ कापडि महोत्सव संस्कृति उत्थानमे महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह करबाक विश्वास व्यक्त कएलन्हि । ओ गाम गामे फेर पहिलहि जकाँ होरी गायन परम्परा शुरु करय होरैया सभ सँ आग्रह कएलन्हि ।
होरैया टिममे बच्चा सँ बुढ धरि सभ वर्गक सहभागिता छल ।
विजय टिमके चाँदीक तक्मा प्रदान कएल गेल । 

जवाफ लेख्नुहोस्

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / Change )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / Change )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / Change )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / Change )

%d bloggers like this: