• सम्पर्क :-

    घर गाउँ देशभित्र बाहिरका कुनै पनि खबर ,सामाग्री प्रकाशित गराउनको निम्ति हामीलाई सम्झनुहोस । ईमेल : - news@tnepal.com साथै मधेश को समाचार , कथा, कविता, लेख , मनोबाद तथा जिबनी पठाउनु होस् । ईमेल : - news@tnepal.com साथै यो Website मा Advertisements गर्नु परेमा सम्पर्क गर्नु होला । ईमेल : - editer@tnepal.com
  • Page Visit

  • धेरैले पढेको

  • Tnepal News

  • Tnepalnews

  • Page Rank

    Check Page Rank

काँग्रेसद्वारा सिंघानिया हत्याक विरोधमे प्रदर्शन

सिंघानियाके शहीद घोषणा करेबाक माँग

रोशनकुमार झा, जनकपुरधाम, फागुन २१, अरुण सिंघानिया हत्या काण्डक घटनाक अपराधीकेँ अविलम्ब पक्राउ कऽ कानूनी कारवाई करबाक माँग करैत नेपाली काँग्रेस धनुषा शुक्रदिन प्रमुख जिल्ला अधिकारी मार्फत प्रधानमन्त्रीकेँ ज्ञापनपत्र बुझौलक अछि ।mm

 
ओ सभ गृहप्रशासन सुरक्षा देवय असमर्थ रहल आरोप लगबैत गृहमन्त्रीक राजीनामाक माँग कएलन्हि ।
काँग्रेस धनुषाक सभापति रामसरोज यादवक नेतृत्वमे पार्टी कार्यालय सँ निकलल जुलुश नगरक विभिन्न भागकेँ परीक्रामा करैत जिल्ला प्रशासन कार्यालय पहुँच ज्ञापनपत्र बुझौने छल ।

उच्चस्तरीय न्यायिक छानवीन समिति गठन कऽ अरुण सिंघानियाक हत्याराकँे अविलम्ब कानूनी दायरामे लाउ, शान्ति सुरक्षाक व्यवस्था, सिंघानियाकेँ शहीद घोषणा कऽ परिवारकँे क्षतिपूर्ति आ सञ्चार तथा सञ्चारकर्मीकेँ विशेष सुरक्षा व्यवस्था सहितक ज्ञापनपत्रमे चारि सुत्रीय माँग कएल गेल अछि ।
तहिना धनुषाक सीडीओ सहित सुरक्षा प्रमुख सभक राजीनामाक सेहो माँग कएल गेल छल ।
इम्हर ज्ञापनपत्र ग्रहण करैत प्रमुख जिल्ला अधिकारी वेद बहादुर कार्की अनुसन्धानक घेरा छोट होइत गेल आ जल्दिए दोषी धरि पुहँचबाक बतौलन्हि । ओ घटनाक गम्भीरता बुझि धनुषा प्रशासन विशेष प्रकार सँ अनुसन्धान कऽ रहल कहैत ओ दोषीकेँ कारबाई करबाक प्रतिबद्धता जनौलन्हि । तहिना ज्ञापनपत्र सम्बन्धमे अपने केन्द्रकँे जानकारी करेवाक सेहो ओ बतौलन्हि ।

जवाफ लेख्नुहोस्

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / Change )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / Change )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / Change )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / Change )

%d bloggers like this: