लाइसेन्स परीक्षाक नामपर धनुषामे नौटंकी

विना प्रवेशपत्र दर्जनो विद्यार्थी परीक्षा देलक

रोशनकुमार झा, जनकपुरधाम, फागुण, २२, शिक्षक अनुमतिपत्र परीक्षामे जिल्ला शिक्षा कार्यालय धनुषाक लापरवाहीक कारण परीक्षा अमर्यादित भेल अछि ।mm

दर्जनो विद्यार्थी विना प्रवेश परीक्षा देवय बाध्य भेल अछि । जाहि केँ फाइदा उठबैत  एकटा विद्यार्थीक सीटपर दोसर विद्यार्थीकें सेहो परीक्षा दैत देखल गेल अछि । प्रश्नपत्र समयमे परीक्षाकेन्द्र सभपर नहि पहुँचलाक कारण परीक्षा निर्धारित समय सँ दू घण्टा अबेर कऽ शुरु भेल छल ।

धनुषाक निमित्त जिल्ला शिक्षा अधिकारी रुद्र नारायण झा परीक्षामे त्रुटि भेल स्वीकार कएलन्हि अछि । ओ आवेदन लेवयकालमे भेल गल्तिक कारण परीक्षा व्यवस्थित करय नहि सकल बतौलन्हि ।
जिल्लामे शिक्षा अधिकारी नहि अछि, निमित्त जिशिअ झा कहलन्हि ‘ हम निमित्त भऽ सभ काज सञ्चालन नहि कऽ सकैत छी । ’
ओ कार्यालयक आन कर्मचारीसभ असहयोग कएलाक कारण सेहो समस्या भेल जिकिर कएलन्हि ।

इम्हर तीन सय विद्यार्थी विना प्रवेशपत्र परीक्षा देने सन्दर्भमे झा कहलन्हि ओकरसभक कापी अलग राखल गेल अछि । जाहिकेँ छानवीन कऽ मात्र स्वीकार कएल जाएत । ओ परीक्षा देवय सँ कियो वञ्चित नहि रहए तएँ सभकेँ परीक्षा लेल गेल बतौलन्हि ।
इम्हर धनुषाक प्रमुख जिल्ला अधिकारी बेद वहादुर कार्की परीक्षा अमर्यादित भेल स्वीकार करैत प्राविधिक त्रुटिक कारण किछ समस्या देखल गेल उल्लेख कएलन्हि । हुनक अनुसार परीक्षा शान्तिपूर्ण रुपसँ सम्पन्न कराबय किछ ढिलाई कएल गेल होइतो छानवीन कएलाक बाद मात्रे कापी स्वीकार कएल जएबाक बतौलन्हि ।

शिक्षक लाइसेन्सक परीक्षा नौटंकी मात्र रहल विज्ञसभ उपराग देलक अछि । परीक्षामे भेल अनियमितता सँ शिक्षकक गुणस्तर समाप्त भऽ रहल हुनकसभक कहब छन्हि ।
इम्हर परीक्षामे भेल अनियमितताक कारण आक्रोशित भेल विद्यार्थीसभ सरस्वती स्कूलमे हो हल्ला सेहो कएने छल ।

Advertisements

2 Responses

  1. yesto pani natak hudo rahe cha janakpkur ma hai

  2. janakpkur ma hai

जवाफ लेख्नुहोस्

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / बदल्नुहोस )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / बदल्नुहोस )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / बदल्नुहोस )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / बदल्नुहोस )

%d bloggers like this: