सिंघानियाक परिवार सँ उपेन्द्र यादवक भेटघाट

सरकार सिंहदरबार धरि मात्र सिमित : यादब

रोशनकुमार झा, जनकपुरधाम, फाल्गुन, २३, – मधेशी जनअधिकार फोरमक नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव शनिदिन अरुण सिंघानियाक परिवार सँ भेटघाट कएलन्हि अछि ।mm

अज्ञात समूहक गोली प्रहार सँ गत सोमदिन मारल गेल सञ्चार उद्यमी सिंघानियाक परिवारकँ अहि दुःखक घड़िमे धैर्य धारण करय अध्यक्ष यादव आग्रह कएलन्हि ।
भेटघाटक क्रममे सिंघानियाक पिता बद्रि सिंघानिया अपन बेटा जनकपुरक समाजकेँ सेवामे जीवन उत्सर्ग करितो ओकर हत्या कएल गेल प्रति दुःख व्यक्त कएलन्हि ।

तहिना सिंघानियाक बहिन सीमा अपन भायकेँ समाज सेवाक मूलयांकन करय सरकार सँ माँग कएलन्हि । जबावमे अध्यक्ष यादव सरकार मधेशी पत्रकार तथा सञ्चारउद्यमीक हत्या कऽ मधेशकेँ कमजोर करबाक षडयन्त्र कएने आरोप लगौलन्हि । राज्य अपराधकेँ संरक्षण दऽ रहल अछि, अध्यक्ष यादव कहलन्हि ‘राज्य अपराधकेँ संरक्षण देवय छोडि दिए तऽ एक हप्तामे अपराध नियन्त्रण कएल जा सकैया ।’ ओ सिंहदरबार धरि मात्र समिति रहल सरकार नेपाली जनताक सुरक्षा देवय असमर्थ रहल आरोप लगौलन्हि ।


ओ कठमाण्डू सँ मोफसल धरि कतौह कियो सुरक्षित नहि रहल बतौलन्हि । इम्हर सिंघानियाक योगदानकेँ कदर करय तथा हुनक हत्याराकेँ पक्राउ करय अपने सरकारपर दवाव देवाक आश्वासन सेहो ओ देलन्हि । भेटघाटमे फोरमक केन्द्रीय सदस्य तथा सभासद सुरीता साह, केन्द्रीय सदस्य देवनारायण यादव, जिल्ला अध्यक्ष शेष नारायण यादव, युवा अध्यक्ष सरोज राय सहितक उपस्थिति छल ।

Advertisements

जवाफ लेख्नुहोस्

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / बदल्नुहोस )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / बदल्नुहोस )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / बदल्नुहोस )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / बदल्नुहोस )

%d bloggers like this: