मैथिली संगीत क्षेत्रक बडका क्षति, हेमकान्त नहि रहलाह

रोशनकुमार झा, जनकपुरधाम, फागुन  ३०, मैथिली भाषाक चर्चित गायक हेमकान्त झाकें विहारक दरभंगामे निधन भेल छन्हि । हुनका शनिदिन भोरमे ब्रेनहेम्ब्रेज भेल छल ।mm

 
५० वर्षीय गायक हेमकान्त मैथिली संगीत क्षेत्रक चर्चित नाम रहथि । मामा यौ कनि खैनी दिय सन चर्चित गीतक ओ गायक रहथि । हुनक सनेश , हिमरेखा, भौजी, चल मिथिलामे चल, सौगात, कखन हरब दुखमोर, ममता,  सन दर्जन सँ बेसी एलबम निकलल अछि ।
मिथिलाञ्चलक कोनो एहन मञ्च नहि छल जाहिमे ओ आमन्त्रित नहि होइत छलाह । हुनक निधनकँे बाद सम्पूर्ण मिथिलाञ्चलमे शोक व्यक्त कएल जा रहल अछि । मिथिला नाट्यकला परिषदक अध्यक्ष एवं गायक सुनिल मल्लिक झाकेँ निधनसँ मैथिली आन्दोलनकेँ बडका क्षति भेल बतौलन्हि अछि ।

 

ओ हेमकान्तकेँ स्मरण करैत कहलन्हि — ‘मैथिली क्यासेटके बजारीकरणक सम्भावना खोजयबला व्यक्ति रहथि ।’ सनेश क्यासेट बजारमे एलाकबाद मैथिली संगीतक दुनियामे तहलका मचौने छल ।
इम्हर चर्चित गीतकार अशोक दत्त हेमकान्तकेँ आधुनिक मैथिली गीतकेँ  जनजनमे पहुँचाबयबला व्यक्तिकँे रुपमे जानल जाइत अछि बतौलन्हि । हेमकान्तक निधन सँ गीत संगीत क्षेत्रके बडका धक्का लागल हुनक कथन छलन्हि । अशोक दत्तद्वारा लिखल तिनटा गीत ओ गएने छथि । अशोक कहलन्हि ‘हमर तऽ ओ भैया जकाँ छलाह जनकपुरमे अबैत छलाह तऽ ओ हमरा ओहिठाम रहैत छलथि तऽ हम दरभंगा गेलौ तऽ हम हुनका घरमे । टेलिफोन सँ सेहो बातचित होइत छल ।’

‘एतेक बडका स्टार भेलाक बादो हुनकामे कनिको अहम नहि छल’ ओ कहलन्हि ।
कान्तिपुर एफएमक हेल्लो मिथिला कार्यक्रमक प्रस्तोता एवं गीतकार धीरेन्द्र प्रेमर्षि हेमकान्तक निधनकेँ अपुरणीय क्षति भेल कहैत हेमकान्त सन मैथिलीमे दोसर गायक नहि रहल बतौलन्हि । ओ आगा कहलन्हि ‘रबीन्द्र महेन्द्र मैथिली गीत संगीतकें गाम गाममे पहुचौलथि तऽ हेमकान्त बजार विस्तार कएलन्हि ।’

Advertisements

जवाफ लेख्नुहोस्

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / बदल्नुहोस )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / बदल्नुहोस )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / बदल्नुहोस )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / बदल्नुहोस )

%d bloggers like this: