• सम्पर्क :-

    घर गाउँ देशभित्र बाहिरका कुनै पनि खबर ,सामाग्री प्रकाशित गराउनको निम्ति हामीलाई सम्झनुहोस । ईमेल : - news@tnepal.com साथै मधेश को समाचार , कथा, कविता, लेख , मनोबाद तथा जिबनी पठाउनु होस् । ईमेल : - news@tnepal.com साथै यो Website मा Advertisements गर्नु परेमा सम्पर्क गर्नु होला । ईमेल : - editer@tnepal.com
  • Page Visit

  • धेरैले पढेको

  • Tnepal News

  • Tnepalnews

  • Page Rank

    Check Page Rank

जनकपुर नगरपालिकाक १६ अम परिषद शुरु

रोशनकुमार झा, जनकपुरधाम, फागुन  ३०, जनकपुर नगरपालिकक १६ अम नगर परिषद शनिदिन सँ शुरु भेल अछि । जनकपुर नगरपालिकाक सभाकक्षमे भेल परिषदक उदघाटन सत्रमे नगरपालिकाक कार्यकारी अधिकृत राजकिशोर प्रसाद साह आर्थिक वर्ष २०६७/०६८ क वार्षिक निति, कार्यक्रम तथा अनुमानित बजेट प्रस्तुत कएलन्हि ।mm

 
१४ करोड २४ लाख ९० हजार रुपैयाक अनुमानित बजेटमे नगरकेँ सौंदर्यीकरण, मठ, मन्दिर, धर्मशालाकँे संरक्षण एवम सम्बर्धन, सागर पोखरिकेँ संरक्षण एवं विकास सहितक कार्यक्रम सभ राखल गेल अछि ।
तहिना नगरपालिका एकटा वार्डके नमुना वार्डक रुपमे विकास करबाक लक्ष्य आ नीति बना कार्यक्रम आगु बढाओत । प्रतिवेदनमे निर्धारित लक्ष्य पुर्तिक लेल संस्थागत विकास तथा कर्मचारीकँे सक्षमता अभिवृद्धि सम्बन्धि नीति, प्रत्यक्ष कर संकलनकँ प्रभावकारी बनावय कर नीति, विकास तथा निर्माण सम्वन्धि नीति, अन्तर्राष्ट्रीय तथा राष्ट्रीय गैर सरकारी संस्था सभ सँग समन्वय, गरिवी न्युनिकरण तथा समावेशीकरण सहितक नीति अवलम्बन करबाक उल्लेख अछि । तहिना मिथिला कला, साहित्य, संगीत आदिक संरक्षणक आ सम्बर्धनक तथा विकासमे जोड देवाक प्रतिबद्धता सेहो प्रस्तुत कार्यक्रममे उल्लेख अछि ।

 
तहिना नगरपालिकाक लेखापाल जयचन्द्र मिश्र अगामी आर्थिक वर्ष २०६७÷६८ क अनुमानित बजेट तथा कार्यक्रम प्रस्तुत कएलन्हि । परिषदक उदघाटन सत्रमे शुभकामना मन्तव्य रखैत वृहत्तर जनकपुर क्षेत्र विकास परिषदक अध्यक्ष दिगम्वर राय नगर सफाई तथा विकासमे नगरपालिका असफल रहल बतौलन्हि ।
ओ संघीय राज्यक राजधानीक रुपमे जनकपुरक विकास करय ओहि अनुसारक योजनाक आवश्यक्ता रहल बतौलन्हि ।
तहिना जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघक अध्यक्ष श्याम साह उद्योग मैत्री शहरकँे रुपमे जनकपुरक विकास होएबा चाही धारणा रखलन्हि ।
इम्हर नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाक सभापति उमेश साह विगतमे नगरपालिका बोर्ड सँ पत्रकार महासंघके उपलब्ध कराओल गेल जमिन महासंघ नहि पौने प्रति आपति जनौलन्हि । इम्हर कार्यकारी अधिकृत साह महासंघकँ जमिन उपलब्ध करावय सम्बन्धि प्रस्ताव परिषदमे पेश करबाक आश्वासन देलन्हि । परिषदक बन्द सत्र रवि दिन सँ शुरु हैत ।

2 Responses

  1. humed ke taraf sab mithla basi namskar hamar ghar jankpur dham istesan arya vel ham aavi qatar me 6i ham akta madhhesi foram karj karta seho 6i

  2. humed ke taraf se sab mithla basi ke namskar

जवाफ लेख्नुहोस्

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / Change )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / Change )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / Change )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / Change )

%d bloggers like this: