• सम्पर्क :-

    घर गाउँ देशभित्र बाहिरका कुनै पनि खबर ,सामाग्री प्रकाशित गराउनको निम्ति हामीलाई सम्झनुहोस । ईमेल : - news@tnepal.com साथै मधेश को समाचार , कथा, कविता, लेख , मनोबाद तथा जिबनी पठाउनु होस् । ईमेल : - news@tnepal.com साथै यो Website मा Advertisements गर्नु परेमा सम्पर्क गर्नु होला । ईमेल : - editer@tnepal.com
  • Page Visit

  • धेरैले पढेको

  • Tnepal News

  • Tnepalnews

  • Page Rank

    Check Page Rank

पशुबद्धशाला निर्माण काज अखनो शुरु नहि

पेश्की रकम पीसी आ भोज भतेरमे खर्च

रोशनकुमार झा, जनकपुरधाम, चैत्र ४, – एक वर्ष पूर्व जनकपुरमे पशु बद्धशाला निर्माण करबाक निर्णय होइतो सरकारी निर्णयक अभावमे अखनधरि निर्माण काज शुरु होवय नहि सकल अछि ।mm

जनकपरक मुजेलियामे बद्धशाला बनेवाक तैयारी भेलाक बाबजुदो प्रस्तावित राजर्षि जनक विश्वविद्यालयक लेल ओ जमिन प्रस्ताव कएल गेलाक करण निर्माण काज अवरुद्ध भेल छल । ओकर बाद अखनधरि जिल्ला विकाश आ पशु कार्यालय बद्धशालाक लेल जमिन खोजय नहि सकल अछि । जिल्ला विकाश समितिक डीई राजकिशोर साहक अनुसार बद्धशाला निर्माणक लेल तीन चारि टा कित्ता जमिनपर विचार चलि रहल अछि । मुदा बद्धशाला निर्माण सँ सम्बन्धित विभिन्न निकायबीच सामञ्जस्यता होवय नहि सकला सँ अखनधरि निर्णय होवय नहि सकल अछि । हुनक अनुसार मतस्य पालनक परिसरमे १० कट्ठा जमिन छुटिया कऽ बद्धशाला बनेवाक सम्भावना अछि ।

 
बद्धशाला बनेवाक लेल नेपाल सरकार पशु विकाश कार्यालय मार्फत ४० लाख रुपैया बजेट छुटियौने छल । बद्धशाला बनेवाक लेल जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघक अध्यक्ष श्याम साहक अध्यक्षतामे उपभोक्ता समिति सेहो गठन कएल गेल अछि ।
समिति मुजेलियामे बद्धशाला बनेवाक लेल माटि भरयके आ देवाल देवाक काज शुरु कऽ देने छल मुदा ओहि समयमे विश्व विद्यालयक मुद्दा उठलाक बाद निर्माण काज स्थगित भऽ चुकल अछि । श्रोतक अनुसार उपभोक्ता समिति पेश्कीक रुपमे साढे चारि लाख रुपैया उठवितो ओहिमेका अधिकांश रुपैया हाकिमसभक पीसी आ भोज भतेरमे खर्च भेल अछि । पीसी लेवयमे तत्कालीन प्रमुख जिल्ला अधिकारी शम्भु प्रसाद कोइराला सहित जिल्लाक उच्च तहक कर्मचारी सभ रहल श्रोतक दावी अछि ।

 
पशुबद्धशाला निर्माण स्थगित भेलाक बाद जिल्लाके साढे चारि लाख रुपैया घाटा भेल अछि ।
इम्हर उपभोक्ता समितक अध्यक्ष श्याम साह अपना सभके जमिन उपलब्ध कराओल गेल तऽ जल्दीए बद्धशाला निर्माण काज शुरु कऽ देवाक बतैलन्हि । ओ सेहो सम्वन्धित निकाय सभबीच समन्वय होवय नहि सकला सँ निर्माण काज प्रभावित भेल बतौलन्हि अछि ।

जवाफ लेख्नुहोस्

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / Change )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / Change )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / Change )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / Change )

%d bloggers like this: