• सम्पर्क :-

    घर गाउँ देशभित्र बाहिरका कुनै पनि खबर ,सामाग्री प्रकाशित गराउनको निम्ति हामीलाई सम्झनुहोस । ईमेल : - news@tnepal.com साथै मधेश को समाचार , कथा, कविता, लेख , मनोबाद तथा जिबनी पठाउनु होस् । ईमेल : - news@tnepal.com साथै यो Website मा Advertisements गर्नु परेमा सम्पर्क गर्नु होला । ईमेल : - editer@tnepal.com
  • Page Visit

  • धेरैले पढेको

  • Tnepal News

  • Tnepalnews

  • Page Rank

    Check Page Rank

लागु औषध सेवन समाजिक रोग

लागु औषध नियन्त्रण विषयक चित्रकला प्रतियोगिता सेहो आयोजना कएने छल

रोशनकुमार झा, जनकपुरधाम, चैत ५, – लागु औषध सेवनक नियन्त्रण सामुदायिक स्तर सँ समुदायकेँ सक्रियतामे मात्र भऽ सकैया एक कार्यक्रममे वक्तासभ बतौलन्हि अछि । लागु औषध समाजिक रोग रहलाक कारण एकर इलाज सेहो समाजेके करबाक चाही हुनक सभक कहब छलन्हि ।mm

 
गृहमन्त्रलायक सहयोगमे नेपाल विकास समाज धनुषाद्वारा बुधदिन जनकपुरमे आयोजित लागु औषध नियन्त्रण कार्यक्रमकेँ प्रमुख अतिथि प्रमुख जिल्ला अधिकारी बेदवहादुर कार्की पुलिस प्रशासन मात्र लागु औषध नियन्त्रण करय नहि सकत बतौलन्हि । समाज सचेत नहि होवय धरि लागु औषध सेवन नियन्त्रण नहि भऽ सकैया प्रजिअ कार्की कहलन्हि ‘पुलिस कतबो करत तैयो समाजक सहयोग चाहबे करी ।
समाजक अध्यक्ष राजीब रञ्जन झाक अध्यक्षतामे भेल कार्यक्रममे मिथिला नाटयकला परिषदक अध्यक्ष सुनील मल्लिक असन्तुष्टीक कारण लागु औषध सेवन व्यापकता पावि रहल कहलन्हि ।

 
तहिना शिक्षक विष्णु कान्त चौधरी स्ववियु राराबक पूर्व अध्यक्ष उमेश चौधरी सहितक मन्तव्य रखने रहथि । कार्यक्रममे अध्यक्ष झा कार्यपत्र सेहो प्रस्तुत कएलन्हि ।
ओहि अवसरपर समाज लागु औषध नियन्त्रण विषयक वक्तृत्वकला आ चित्रकला प्रतियोगिता सेहो आयोजना कएने छल । वक्तृत्व कला प्रतियोगितामे राजर्षि जनक क्याम्पसक राखी कर्ण प्रथम, नेशनल एकेडमीक सरोज कुमार मण्डल द्वितीय आ राजर्षिक पिंकी साह तृतीय पुरस्कार प्राप्त कएलन्हि । तहिना चित्रकलामे कन्या उच्च माध्यमिक विद्यालयक आराधना हमला प्रथम, मदरटेरेशाक तुफेल अहमद रब्बानी द्वितीय आ युरेकाक राजाबाबु गुप्ता तृतीय स्थान प्राप्त कएलन्हि ।

Advertisements

जवाफ लेख्नुहोस्

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / बदल्नुहोस )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / बदल्नुहोस )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / बदल्नुहोस )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / बदल्नुहोस )

%d bloggers like this: