• सम्पर्क :-

    घर गाउँ देशभित्र बाहिरका कुनै पनि खबर ,सामाग्री प्रकाशित गराउनको निम्ति हामीलाई सम्झनुहोस । ईमेल : - news@tnepal.com साथै मधेश को समाचार , कथा, कविता, लेख , मनोबाद तथा जिबनी पठाउनु होस् । ईमेल : - news@tnepal.com साथै यो Website मा Advertisements गर्नु परेमा सम्पर्क गर्नु होला । ईमेल : - editer@tnepal.com
  • Page Visit

  • धेरैले पढेको

  • Tnepal News

  • Tnepalnews

  • Page Rank

    Check Page Rank

एसएलसी परीक्षा मर्यादित करय सम्बन्धमे छलफल

सहयोगक लेल सभकें सहयोग करय अपील

रोशनकुमार झा, जनकपुरधाम, चैत्र ६, – एसएलसी परीक्षा २०६६ के मर्यादित पूर्वक सञ्चालन करय सम्वन्धमे जिल्ला शिक्षा कार्यालय धनुषा शुक्रदिन विभिन्न पक्ष सँ छलफल कएलक अछि ।mm

 
परीक्षा अमर्यादित भेलाक कारण अदक्ष जनशक्ति उत्पादन भऽ रहला सँ परीक्षा मर्यादित करय सम्बन्धमे छलफलक आयोजना कएल गेल जिल्ला शिक्षा कार्यालय जनौलक अछि ।
छलफलमे स्थानीय विकाश अधिकारी विन्दु प्रसाद गुरागाई परीक्षा प्रणालीमे सुधार नहि कएल गेल तऽ शिक्षामे लगानी कएनाइ बेकार रहल बतौलन्हि । ओ शिक्षा अधिकारीक मनसाय स्वच्छ भेलापर परीक्षा अवश्य मर्यादित होएबाक विश्वास व्यक्त कएलन्हि । कार्यक्रममे राजनीतिक दलक प्रतिनिधीसभ सुपरिटेन्डेड नियुक्ति करयमे सावधानी अपनावय आ ककरो प्रभावमे नहि परय आग्रह कएलन्हि । तहिना सहभागिसभ परीक्षा मर्यादित करय सुपरिटेन्डेटकेँ विशेष निर्देशन देवय आवश्यक रहल कहलन्हि ।

कार्यक्रममे जिल्ला शिक्षा अधिकारी सदानन्द झा सभक सहयोग भेटल तऽ परीक्षा मर्यादित रुपमे सञ्चालन करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएलन्हि । ओ विशेषतः राजनीतिक दलक कोनो प्रकार दवाव वा हस्तक्षेप नहि करयकँे प्रतिबद्धताक माँग कएलन्हि । राजनीतिक दलसभ उपयुक्त आधारमे सुपरिटेन्डेन्टक नियुक्ति आ ककरो सँग भेदभाव नहि भेल तऽ हस्तक्षेप नहि करबाक प्रतिबद्धता जनौलन्हि । ओ सभ परीक्षा मर्यादित बनावय पूर्ण सहयोग करबाक आश्वासन देलन्हि । कार्यक्रममे प्रहरी उपरीक्षक श्याम खडका परीक्षा मर्यादित करय सुरक्षा निकाय कोनो कसर बाँकी नहि राखत कहलन्हि ।

ओ प्रत्येक परीक्षा केन्द्रपर सशस्त्र आ जनपद पुलिस संयुक्त रुपमे रखबाक जानकारी देलन्हि । परीक्षा अमर्यादित करयबला ककरो नहि छोडबाक आ सभके कारबाईक प्रक्रियामे अनबाक हुनक कहब छलन्हि ।
कार्यक्रममे पत्रकार, नागरिक समाज, राजनीतिक दलक प्रतिनिधी सभक सहभागिता छल ।

जवाफ लेख्नुहोस्

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / Change )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / Change )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / Change )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / Change )

%d bloggers like this: