बडका दलक कारण संविधान निर्माण अवरुद्ध

संक्षिप्त संविधान स्वीकार नहि हैतः ठाकुर

रोशनकुमार झा, जनकपुरधाम, चैत ७, – तराई मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीक अध्यक्ष महन्थ ठाकुर बड़का तीनदल विभिन्न कारण देखा कऽ जारी करय चाही रहल संक्षिप्त संविधान अपना सभकेँ स्वीकार नहि हैत बतौलन्हि अछि ।mm

 
सविधान सभाक चुनाव पूर्ण संविधान निर्माण, संघीय संरचना आ शान्ति स्थापनाक लेल भेल स्मरण करबैत अध्यक्ष ठाकुर संविधानक नाममे संक्षिप्त संविधान जारी करब देश आ जनता संगे बेइमानी हैत बतौलन्हि । तमलोपा जनकपुर नगर समिति द्वारा शुक्रदिन आयोजित नेतृत्व विकास तालिम सहभागि सभके प्रमाण–पत्र वितरण कार्यक्रममे ओ संविधान लेखन प्रक्रिया जारी रहितो बडका तीनदलक मताभिन्नता सँ गति पकरय नहि सकल उल्लेख कएलन्हि ।

ओ कहलन्हि ‘काँग्रेस, एमाले आ एकीकृत माओवादी बीचक सत्ताक छिनाझपटी संविधान निर्माण मे प्रभाव पारि रहल अछि । सांविधान निर्माण सँ पूर्वे माओवादीक सेनाकेँ पुनस्र्थापन, ब्यवस्थापन वा समायोजन होएबाक चाही , ओ कहलन्हि ‘सेनाक व्यवस्थापन सँ पूर्व संविधान जारी भेल तऽ समाजमे द्वन्द जारीए रहत । नगर अध्यक्ष जगदीश महासेठक अध्यक्षतामे सम्पन्न कार्यक्रममे तमलोपाक उपाध्यक्ष बृषेश चन्द्र लाल लोकतन्त्र विरोधी कोनो प्रकारक षडयन्त्र सँ लडय तमलोपा तैयार रहल बतौलन्हि ।

 
आतंक आ हतियारक बल पर लोकतन्त्रके अपहरण करबाक दुःसहाश करयबला शक्ति अपने नष्ट हैत हुनक कहब छलन्हि । उपाध्यक्ष लाल सहमतिक नामपर बडका तीनदल सत्ताक वार्गेनिङ्ग मात्र कऽ रहल आरोप सेहो लगौलन्हि ।

तहिना उप–प्राध्यापक दिलीप जलान नेता तथा कार्यकर्ता प्रशिक्षित करबाक आवश्यकता रहल कहैत तमलोपाके स्कुलिङ्ग पर जोड देवय आग्रह कएलन्हि । कार्यक्रममे तमलोपाक धनुषा उपसंयोजक परमेश्वर साह, अमरचन्द्र अनिल, रिता झा, काशिकान्त झा सहितक उपस्थिति छलन्हि ।
तमलोपा जनकपुर नगर कमिटी द्वारा विगत मे सञ्चालित नेतृत्व विकास तालिमक सहभागी सभके प्रमुख आतिथि अध्यक्ष ठाकुर प्रमाण पत्र वितरण सेहो कएलन्हि ।

Advertisements

जवाफ लेख्नुहोस्

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / बदल्नुहोस )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / बदल्नुहोस )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / बदल्नुहोस )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / बदल्नुहोस )

%d bloggers like this: