अस्ताचल सूर्यक अर्घ देल गेल, पहिल दिनक चैती छठि सम्पन्न

रोशनकुमार झा, चैत्र ८, – अस्ताचल सूर्यक अर्घ सँग रविदिन पहिल दिनक चैती छठि सम्पन्न भेल अछि । सोमदिन दिन उगैत सूर्यक अर्घ देल जायत ।mm

 
जनकपुरक गंगा सागर, अरगज्जा सागर, रत्न सागर सहित दर्जनो पोखरि सभमे छठि मनाओल गेल । मिथिलाञ्चलमे कातिक आ चैत महिना सहित वर्षमे २ बेर छठि पावनि मनाओल जाएत अछि । 
किछ वर्ष इम्हर चैती छठि करयबलाकेँ संख्यामे वृद्धि भेल अछि । जनकपुरक धार्मिक पोखरि सभ लग कातिक महिना जकाँ भोरेसँ श्रद्धालु भक्त जनसभ छठिक प्रसादि लऽ कऽ बैसल छल । अहिमे ठकुवा, भुसवा, केरा, नारियल, कुसियार, आदि सहितक प्रसादि चढाओल जाइत अछि ।

 
छठि केलासँ बाझिनके पुत्र, चर्मरोगसँ मुक्ति सहित सभ प्रकारक फल प्राप्त होइत अछि । वर्षकृतमे सेहो छठिक विधान सँ चर्चा कायल गेल अछि ।
छठि दिन घाटपर भिड़ लागल छल । नव दम्पति सभ पोखरिकेँ चारु कात परिक्रमा केने छलथि । नयाँ पहिरनमे महिला–पुरुष सभकँे घाटपर पहुँचयकेँ परम्परा जनकपुरमे रहल अछि ।

जवाफ लेख्नुहोस्

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / Change )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / Change )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / Change )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / Change )

%d bloggers like this: