• सम्पर्क :-

    घर गाउँ देशभित्र बाहिरका कुनै पनि खबर ,सामाग्री प्रकाशित गराउनको निम्ति हामीलाई सम्झनुहोस । ईमेल : - news@tnepal.com साथै मधेश को समाचार , कथा, कविता, लेख , मनोबाद तथा जिबनी पठाउनु होस् । ईमेल : - news@tnepal.com साथै यो Website मा Advertisements गर्नु परेमा सम्पर्क गर्नु होला । ईमेल : - editer@tnepal.com
  • Page Visit

  • धेरैले पढेको

  • Tnepal News

  • Tnepalnews

  • Page Rank

    Check Page Rank

अबेर साँझ धरि झड़प जारी, तीन गोटेकेँ गोली लागल

रोशनकुमार झा, जनकपुरधाम, चैत्र  ९, – पुलिसक ज्यादतिक विरुद्ध आन्दोलनरत स्थानीयबासी आ पुलिसबीच रविदिन भेल झड़पमे परि तीन दर्जन प्रदर्शनकारीसभ घाइल भेल अछि ।mm

घाइलसभमे सँ अकशरकेँ कपार फुटल अछि ।
भानुचौक , शिवचौक, कदम चौक, मिल्सएरिया आ रेल्वे स्टेशनपर पुलिस आ प्रदर्शनकारी सभ बीच झड़प भेल अछि । झड़पक क्रममे पुलिस चलौने गोली लागि तीन गोटे घाइल भेल अछि । रबरकेँ गोली लागल जनकपुर नगरपालिका २ रहनिहार दिनेश साह, दुहवीक शंकर चौधरी आ सुनसरी लौकही रहनिहार बेदनारायण साहकेँ जनकपुर इलाज सम्भव नहि भेलाक बाद विशेष इलाजक लेल काठमाण्डू आ धरान पठाओल गेल अछि ।
प्रदर्शनके नियन्त्रणमे लेवय पुलिस दर्जनो सेल अश्रुग्यास प्रहार कएने अछि तऽ दर्जनो राउण्ड हवाइ फायर कएने छल । स्थानीयबासीसभक अनुसार पुलिस घर घरमे घुसि प्रदर्शनकारी आ स्थानीयबासी सभकेँ पिटपाट कएने अछि ।
अहिबीच पुलिस चैती छठि मनाविरहल श्रद्धालुसभपर सेहो लाठी चार्ज कएलक अछि । शिवचौक स्थिति गंगासागर पोखरिपर श्रद्धालुभक्तजन सभकेँ पिटपाट कएने बताओल गेल अछि । पुलिस प्रति स्थानीयबासीसभ आक्रोशित रहल अवस्थामे भेल एहन घटना सँ आओर आक्रोश बढ़बाक आ अवस्था अनियन्त्रित होएबाक बुद्धिजीविसभक कहब अछि । भारतीय एक गोटे महिलाकँे पुलिसक अधिकारीसभ सामूहिक बलात्कार कएलाक बाद स्थानीय बासीसभ पुलिस प्रशासन विरुद्ध आन्दोलित भेल अछि ।

2 Responses

  1. दोषी उप्पर कडा स कडा कडा कारवाई कर्बक होइ चाही और बदनाम पुलिस के निलम्बन होइ चाही

  2. Dosi ke jinda jareba ke chahi, jahis pher sa ohan ghatna nai ghatai. janakpur san pawan bhimi par akhand paap velai.

जवाफ लेख्नुहोस्

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / Change )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / Change )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / Change )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / Change )

%d bloggers like this: