• सम्पर्क :-

    घर गाउँ देशभित्र बाहिरका कुनै पनि खबर ,सामाग्री प्रकाशित गराउनको निम्ति हामीलाई सम्झनुहोस । ईमेल : - news@tnepal.com साथै मधेश को समाचार , कथा, कविता, लेख , मनोबाद तथा जिबनी पठाउनु होस् । ईमेल : - news@tnepal.com साथै यो Website मा Advertisements गर्नु परेमा सम्पर्क गर्नु होला । ईमेल : - editer@tnepal.com
  • Page Visit

  • धेरैले पढेको

  • Tnepal News

  • Tnepalnews

  • Page Rank

    Check Page Rank

पत्रकार सभ प्रदर्शन करत

पुलिसक दमनक विरोधमे प्रदर्श करबाक निर्णय

रोशनकुमार झा, जनकपुरधाम, चैत्र  ९, – पत्रकारसभ उपर निरन्तर भऽ रहल आक्रमणक विरुद्धमे पत्रकारसभ मंगलदिन जनकपुरमे प्रदर्शन करत ।mm
मंगलदिन भोरमे जनकपुर भानु चौक सँ प्रदर्शन शुरु करबाक कार्यक्रम तय भेल अछि । अहि सँ पूर्व सोमदिन जनकपुरमे भेल पत्रकार सभक बैसार पुलिसद्वारा जानि बुझिक समाचार संकलन कएने कारण पत्रकारसभकँ पिटल गेल घटनाकेँ भत्र्सना कएलक अछि । महासंघ पुलिसक दमन बन्द नहि भेल तऽ सरकार विरुद्ध आन्दोलन करबाक सेहो चेतावनी देलक अछि । महासंघक महासचिव षेषणा केसीक उपस्थितिमे भेल बैसारमे केसी घटनाकेँ निष्पक्ष जाँच बुझ कऽ दोषी उपर कारबाई करबाक मांग कएलन्हि ।
ओ लोकतन्त्रक मेरुदण्ड संचार आ संचारकर्मीकेँ पिटपाट करब लोकतन्त्र प्रतिक आक्रमण रहल बतौलन्हि । बैसारमे पत्रकारिताक क्रममे पुलिसद्वारा भेल आक्रमणक  कारण पत्रकारसभ समाचार संकलन करय नहि सकि रहल पत्रकारसभ कहलन्हि । ओ सभ नुका चोरा कऽ रिपोर्टिङ्ग करय पड़ि रहल कहैत सडकपर निकलय सँ डर लागि रहल कहलन्हि । ओ सभ महासंघ पत्रकारसभक सुरक्षा प्रति गम्भीर नहि रहल आरोप  लगौलन्हि । इम्हर केसी महासंघ पत्रकारसभक सुरक्षा प्रति एकदम गम्भीर रहल आ कोनो पत्रकारकेँ सहयोग समर्थन आ पक्षमे लडय तैयार रहल कहलन्हि । अहि घटना सम्बन्धमे सरकार सँ जबाब मांगबाक हुनक कहब छलन्हि ।

जवाफ लेख्नुहोस्

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / Change )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / Change )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / Change )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / Change )

%d bloggers like this: