पूर्व राजाक नागरिक यात्रा, जनताक इच्छा सर्वोपरी रहल टिप्पणी

पूर्व पंचसभ बीच पूर्व राजा

रोशनकुमार झा, जनकपुरधाम चैत्र ११, – संविधान सभाक पहिल बैसार सँ नागरिक रुपमे परिणत भेल पूर्व राजा ज्ञानेन्द्र शाहक पहिल नागरिक यात्राक रुपमे बुधदिन जनकपुर भ्रमण कएलन्हि अछि ।mm

 जनकपुरक भ्रमणक क्रममे पूर्व राजा ज्ञानेन्द्र शाह जानकी मदिर तथा मड।वामे पूजापाठ कएलन्हि । चैत नवमीक अवसरपर जनकपुर पहुँचल पूर्व राजाकँ जनकपुरमे भव्य स्वागत कएल गेल अछि । जनकपुर विमान स्थल सँ लऽ कऽ जानकी मन्दिर धरि हजारो गोटे हुनक स्वागतक लेल घण्टो लाइनमे ठाढ। छल । पूर्व राजाक समर्थक सभ राजा आउ देश बचाउ हमर राजा हमर देश प्राण सँ बेसी प्यारा अछि सहितक नारा लगौने छल । हुनक एक झलक देखबाक लेल आतुर भिड। नियन्त्रण करय सुरक्षाकर्मी सभकेँ मुश्किल भेल छल । तहिना पूर्व राजा शाह अपने आम जनमानस सँ भेटघाट करय हाथ मिलाबय कुशलक्षेम पुछय उत्सुक देखल गेल रहथि ।

 समर्थक तथा आमजनताक स्वागत ग्रहण करबाक लेल आ घण्टो भिडमे छाएल रहथि । राष्ट्रीय विकास पार्टीक अध्यक्ष डा. असर्फी साहक विशेष सक्रियता तथा पहलमे जनकपुर पहुँचल ज्ञानेन्द्रकेँ स्वागतमे पूर्वमन्त्री हेमबहादुर मल्ल राप्रपा नेपालक उपाध्यक्ष किशोरी महतो सहित पूर्व पाच तथा राजावादी सभ तत्पर रहथि । पत्रकारसभ पूर्व राजा साह सँ देशक सामसामयिक अवस्था सम्बन्धमे बात करय चाहितो बात करय नहि सकि रहल छल । बादमे डा। असर्फी साहक निवासमे भोजक समयमे हुनक छोट टिप्पणी लेवयकेँ पत्रकार सभकेँ अवसर भेटल । पत्रकार सभक जिज्ञासा देशक अवस्थाकेँ अपने कोन रुपमे लैत छी पर पूर्व राजा प्रति प्रश्न कएलन्हि अहाँ सभ कोन रुपमे लैत छी ओ जनता देशकेँ जेना बुझि रहल अछि अपने सभक ओहिना बुफि रहल कहलन्हि । ओ कहलन्हि देशमे शान्ति आ सुरक्षा सभक नेपालीक चाहना अछि । जनताक इच्छा सर्वोपरी अछि । पत्रकार सभक अहिकेँ बाद ओ कोनो प्रश्नक उत्तर नहि देलन्हि मात्र मुस्कियाइत रहलथि । पत्रकारसभ पूर्व राजा शाहकँ हरेक गतिविधीकँ अपन कैमरामे कैद करयमे व्यस्त छल ।

तहिना राजाक प्रत्यक्ष शासनमे सहायक मन्त्री रहल डा। असर्फी साह कें घरमे बजाओल गेल मध्यान्ह भोजनमे पूर्व पंचसभकेँ अत्यधिक सहभागिता रहल छल । पूर्व पंचसभ पूर्व राजाकें अपन अपन पीड सुनौलन्हि । राजपरिषदक पूर्व सदस्य कारी यादव जनकपुरक स्टेशन प्रहरी चौकीकँे इन्चार्ज एकटा महिलाकँे बलात्कार कएने जानकारी करौलन्हि तऽ असर्फी साहक पार्टीक राष्ट्रीय विकास पार्टीक केन्द्रीय सदस्य चौठी यादव आठ दल अपन अपन घरमे सभ समान लुटि लेलक जानकारी देलन्हि ।मधेशी जनअधिकार फोरम नेपाल सँ धनुषा निर्वाचन क्षेत्र नम्बर ५ केँ उपनिर्वाचनमे उम्मेदवार रहल सियाराम राय राजाकेँ बागडोर अपन हाथमे लेबाक लेल आग्रह कएलन्हि । राष्ट्रीय प्रजातन्त्रपार्टी नेपालक केन्द्रीय सदस्य उदय कान्त ठाकुर अपन नाम स्मरण राखयकेँ हिसाब सँ परिचय देलन्हि तऽ जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघक महासचिव अनुरुद्ध साह सेहो डा। असर्फी साह संग सोस्र लगा कऽ राजा लग अपन परिचय देने छलथि । डा। एलएन शर्मा हिन्दु धर्मकँे बचाबयकँे लेल अपने आगा आउ आग्रह कएलन्हि । 

जवाफ लेख्नुहोस्

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / Change )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / Change )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / Change )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / Change )

%d bloggers like this: