कथा जानकी सम्पन्न

सभतुरक कथाकार कथा वाचन कएलन्हि

रोशनकुमार झा, जनकपुरधाम, चैत्र २२, – प्रत्येक तीन मासपर होवयबला मैथिली साहित्यिक कथा गोष्ठी ‘सगर राति दीप जरय’क ६९ अम खेप ‘कथा जानकी’ शनिक रातिभरि जनकपुरमे चलल अछि ।mm

 
रामानन्द युवा क्लबक आयोजनामे भेल गोष्ठीमे स्थापित तथा नवतुरक कथाकारसभ अपन अपन कथा वाचन कएलन्हि । डा रामानन्द झा रमणक अध्यक्षता तथा डा फुलचन्द्र मिश्र रमणक सञ्चालनमे भेल गोष्ठीमे ३० गोटे कथाकारसभ कथा वाचन कएलन्हि । हुनक सभक कथापर डा. राजेन्द्र प्रसाद विमल, रोशन जनकपुरी, रमेश रञ्जन, अजित कुमार आजाद डा फुचन्द्र रमण, डा रामानन्द झा रमण, अरबिन्द ठाकुर, विभुति आनन्द, हिरेन्द्र कुमार झा सहितक टिप्पणी तथा समीक्षा कएलन्हि ।

 
मैथिली साहित्यक भण्डार कमजोर रहल समयमे शुरु भेल अहि आयोज सँ दर्जनो कथाकार सभ अपन प्रतिभा देखाबय सफल भेल छथि ।
गोष्ठीक ७०अम खेप .भारतक लहेरिया सरायक कविपुरमे हैत । इम्हर अहि गोष्ठी एक्कैह सँग रेकर्ड ११ गोट पुस्तकके लोकार्पण कएल गेल । अहि सँ पूर्व भेल उदघाटन सत्रमे वक्तासभ कथा गोष्ठी मैथिलीक उन्नयनमे बडका योगदान कएने बतौने छलथि ।
उदघाटन सत्रक अध्यक्षता डा. रामानन्द झा रमण कएलन्हि तऽ प्रमुख अतिथिक रुपमे पूर्वाञ्चल युनिभर्सिटीक कुलपति डा. राम अवतार यादव उपस्थित छलाह ।

Advertisements

जवाफ लेख्नुहोस्

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / बदल्नुहोस )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / बदल्नुहोस )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / बदल्नुहोस )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / बदल्नुहोस )

%d bloggers like this: