• सम्पर्क :-

    घर गाउँ देशभित्र बाहिरका कुनै पनि खबर ,सामाग्री प्रकाशित गराउनको निम्ति हामीलाई सम्झनुहोस । ईमेल : - news@tnepal.com साथै मधेश को समाचार , कथा, कविता, लेख , मनोबाद तथा जिबनी पठाउनु होस् । ईमेल : - news@tnepal.com साथै यो Website मा Advertisements गर्नु परेमा सम्पर्क गर्नु होला । ईमेल : - editer@tnepal.com
  • Page Visit

  • धेरैले पढेको

  • Tnepal News

  • Tnepalnews

  • Page Rank

    Check Page Rank

बालमैत्री वातावरण निर्माणक माँग

बौवा बुच्चीसभ नाटक सेहो कएलन्हि

रोशनकुमार झा, जनकपुरधाम, चैत्र २३, – अपनसभक विकासक लेल समुचित वातावरणक निर्माण करय एक कार्यक्रममे धियापुतासभ माँग कएलन्हि अछि ।mm

 
ओ सभ बालमैत्री वातावरण नहि रहल प्रति अपत्ति जनौलन्हि । मिथिला महोत्सवक अवसरपर रविदिन जनकपुरमे आयोजित बाल संसदमे बौवा बुच्चीसभ दिनदिनक बन्द हडताल, हत्या हिंसा, अपहरण, दंगा फसाद सँ बाल मस्तिष्क प्रभावित भऽ रहल कहलन्हि । ‘हमरा सभकेँ बेचल जाइत अछि’ बाल संसदसभ कहलन्हि ‘हातमे पुस्तक रहबाक समयमे हथौडी चलाबय परैत अछि ।’ सरकार हमर सभक विकास प्रति उदासीन रहल हुनक सभक कहब छलन्हि ।

इन्दे्रश मिश्र सभामुख तथा जुही झा उपसभामुख रहल संसदमे बाल सांसद सभ बच्चासभक लेल खेल मैदान , पार्क , बगैचा, पुस्तकालय, संग्रहालय सहितक बौद्धिक विकासक साधनसभ उपलब्ध कराबय माँग कएलन्हि ।
बाल गोष्ठी उपसमितिक आयोजना तथा विश्व बाल समाज, मिथिला नाट्यकला परिषद आ रामानन्द युवा क्लबक सहयोगमे भेल संसदमे संयोजक प्रा. परमेश्वर कापडि सहजकर्ताक भुमिका निर्वाह कएने छलथि ।

 
कार्यक्रममे प्राज्ञ रामभरोष कापडि ‘भ्रमर’ ई. सत्यनारायण साह, पूर्व सांसद महेन्द्र मिश्र, एमाले नेता शीतल झा, सभासद रामसरोज यादव, रुपा झा, राजकुमार झा सहितक मन्तव्य रखने रहथि । कार्यक्रममे वक्तसभ विद्यालयकेँ शन्ति क्षेत्र घोषाण करबाक माँग कएलन्हि । ओ सभ बालबच्चाक बौद्धिक, समाजिक, आ व्यवहारिक ज्ञानक विकासक लेल मतौह सँ कोनो पहल नहि भऽ रहल कहलन्हि । इम्हर बाल संसदक गठन सँ बच्चासभक सर्वाङ्गिण विकासमे सहयोग भेटबाक हुनक सभक कहब छलन्हि ।

इम्हर बौवा बुच्चीसभ ‘एलौ परीक्षा’ नाटक सेहो कएलन्हि अछि । प्रा परमेश्वर कापडिद्वारा लिखित एवं रितेश साहद्वारा निर्देशित नाटकमे छोटछोट कलाकारसभ प्रशंसनीय अभिनय कएने छलथि ।

जवाफ लेख्नुहोस्

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / Change )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / Change )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / Change )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / Change )

%d bloggers like this: