• सम्पर्क :-

    घर गाउँ देशभित्र बाहिरका कुनै पनि खबर ,सामाग्री प्रकाशित गराउनको निम्ति हामीलाई सम्झनुहोस । ईमेल : - news@tnepal.com साथै मधेश को समाचार , कथा, कविता, लेख , मनोबाद तथा जिबनी पठाउनु होस् । ईमेल : - news@tnepal.com साथै यो Website मा Advertisements गर्नु परेमा सम्पर्क गर्नु होला । ईमेल : - editer@tnepal.com
  • Page Visit

  • धेरैले पढेको

  • Tnepal News

  • Tnepalnews

  • Page Rank

    Check Page Rank

जुडशीतल आ नव वर्षक शुभकामना।

आदरणीय बन्धु,

वर्ष २०६७ क शुभागमन तथा जुडशीतलक मुहथरिपर हमसभ पहुँचल छी। मुदा चैनसँ बैसबाक आ निश्चिन्त रहबाक कोनो दऽर नहि देखा रहल अछि। मिथिलाक सन्दर्भमे जँ गप्प करी तँ नेपालदिस राज्य आमिल पीनहि अछि, अपन समाङसभ सेहो जडि नहि धऽकऽ उपरे उपरे कूदतिसन प्रतीत होइत छथि। एक तरहक समाङ मिथिलारूपी दूधकेँ सौँसे मधेशरूपी पानिमे मिलाकऽ एकर धवलता आ पौष्टिकता नष्ट करबापर तुलल छथि तँ दोसर तरहक समाङ दूधकेँ खालि अपने लोहियामे औँटैत मुट्ठीभरि लोकक लेल खोआ परसऽ चाहैत छथि।

दुश्मनसँ लडबामे आसान होइत छैक मुदा अप्पन लोक जँ बैमानी वा नादानीपर उतरि जाए तँ बड मुश्किल भऽ जाइत छैक। तथापि ई नव वर्ष हमरासभकेँ सद्बुद्धि दिअए जे हमसभ मिथिलाकेँ घरमे सैँतिकऽ रखबाक लोभसँ मुक्त होइ आ जँ क्यो बैमानीक भावसँ एहन कृत्य करैत अछि तँ तकरा यथासमय सबक सिखा सकी। जुडशीतलमे हमसभ हरियरीक लेल पानि तँ जरूर पटबैत छियैक मुदा गन्दगी फेकबाक काज सर्वप्रथम करैत छियैक। ई नव वर्ष हमरासभकेँ सएह मार्गदर्शन करएऽ ताहि शुभकामना संग एकटा एहि परिवेशपर लिखाएल गजलक जलथपकी-

गजल —धीरेन्द्र प्रेमर्षि

जोरजुलुमसँ जे ने झुकए से भाले लगए पिअरगर यौ

इन्द्रधनुषी एहि दुनियामे लाले लगए पिअरगर यौ

ठोरे जँ सीयल रहतै तँ गुदुर–बुदुर की हेतै कपार!

एहन मुर्दा शान्तिसँ तँ बबाले लगए पिअरगर यौ

कुच्ची–कलमक रूप सुरेबगर रहलै, रहतै सबदिनमा

जखन अन्हरिया पसरल होइक, मशाले लगए पिअरगर यौ

खालि शब्दक जाल बुनल नहि चाही आब जवाब कोनो

नगर–डगरमे गुञ्जैत सबल सबाले लगए पिअरगर यौ

जुड़शीतलकेर भोरहरियामे धह–धह जरए कपार जखन

जलथपकी नहि, तखन जाँघपर ताले लगए पिअरगर यौ

माथा बन्हबैत कफन, उड़ाबए लाल गुलाल अकाशे जँ

हमरा तँ ओहि समय–सुन्दरीक गाले लगए पिअरगर यौ

साल–सालपर अबैत रहैए, सगरो दुनिया नवका साल

नवयुगक मुहथरि खोलैत नव साले लगए पिअरगर यौ

जवाफ लेख्नुहोस्

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / Change )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / Change )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / Change )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / Change )

%d bloggers like this: