• सम्पर्क :-

    घर गाउँ देशभित्र बाहिरका कुनै पनि खबर ,सामाग्री प्रकाशित गराउनको निम्ति हामीलाई सम्झनुहोस । ईमेल : - news@tnepal.com साथै मधेश को समाचार , कथा, कविता, लेख , मनोबाद तथा जिबनी पठाउनु होस् । ईमेल : - news@tnepal.com साथै यो Website मा Advertisements गर्नु परेमा सम्पर्क गर्नु होला । ईमेल : - editer@tnepal.com
  • Page Visit

  • धेरैले पढेको

  • Tnepal News

  • Tnepalnews

  • Page Rank

    Check Page Rank

पुलिस हिरसतमे रहल धियापुता यातनाक शिकार

जनकपुर। असार १२
जानकी एफ।एम।
धैर्य कान्त दत्त
धनुषामे पुलिसक हिरासतमे रहल ५४।८५धियापुता यातनाक शिकार भऽरहल एकटा तथ्यांक सार्वजनीक भेल अछि। विश्व यातना विरुद्धक दिवसके अवसर पर आयोजित एकटा कार्यक्रममे एडभोकेसि फोरम धनुषा ई तथ्याकं सार्वजनीक कएलक अछि। तहिना विगत वर्ष विभिन्न हिरासतसभमे कएलगेल अनुगमनक क्रममे २२।३५ धियापुता यातनाक शिकार बनल एडभोकेसि फोरम जनओलक अछि।

 नबालकसभकेँ जिरफ्तार करैतकाल तथा हिरसतमे सरक्षाकर्मी विभिन्न प्रकारक यातना देबक काज कएने अनुगमनके क्रममे पिडित नवालकसभ बतओने प्रतिवेदन सार्वजनिक करैत एडभोकेसि फोरम धनुषाके संयोजक राज कुमार महासेठ जानकारि देलन्हि। नेपाल यातनाविरुद्धक महासंधिके पक्षधर राष्ट्र रहलाकबादो तथा अंतरिम संविधान२०६३के अनुसार यतनाके फौजदारि अपराधके रुपमे स्थापित कएलगेलाकबादो नेपालि विधायीका एहि विषयमे एखन धरि कानुन नइ लाबि सकब दुस्खद अछि महासेठ बतओलिन्ह। यातनाक सन्दर्भमे दण्डहिनताक स्थिति कायम रहलाक कारणे एहि प्रकारक मानवअधिकार उल्लंघनमे विशेष कऽकऽ राज्यक सुरक्षा संयन्त्र व्यापक रुपेँ संलग्न देखलगेल प्रतिवेदनमे उल्लेख अछि। राज्यतर्फसँ देलजाएबला यातनाक विषयमे पिडित पक्ष डर त्रासक कारणे शिकायत नइ कऽरहल जानकारि दैत एहि प्रकारक घटनाक संबन्धमे शिकायतके बाद कोनो पक्षके एखन धरि कोनो प्रकारक धम्कीके घटना सार्वजनीक नइ भेल महासेठक कहब छन्हि। यातनाक घटनाक संबन्धमे अदालतमे शिकायत करबालेल ओ पिडित पक्षसँ आग्रह कएलन्हि अछि। समग्रमे यतनाक घटनामे उल्लेख्य कमी देखलगेलाकबादो तराईक जिल्लासभमे यातनाक घटनामे वृद्धी भेल प्रतिवेदनमे जनाओलगेल अछि। वालवलिकामे मात्र नइ व्यस्कमे सेहो यतनाक घटना नेपलक संदर्भमे पैग सम्सया रहल एडभोकेसि फोरम जनओलक अछि।

जवाफ लेख्नुहोस्

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out / Change )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out / Change )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out / Change )

Google+ photo

You are commenting using your Google+ account. Log Out / Change )

%d bloggers like this: